Skip to main content

बिहार दिवस ...

आई बिहार दिवस अछि. आई सं 98 साल पहिने 1912 मे 22 मार्च के दिन बंगाल सं अलग करि बिहार के नया राज्य बनाएल गेल छल... बिहार के स्थापना भेल छल. हर साल 22 मार्च के राज्य सरकार के तरफ सं एकटा औपचारिकता के तौर पर बिहार दिवस मनाएल जाएत छल. मुदा एहि बेर बिहार सरकार एकरा बड़का स्तर पर मनाबय जा रहल अछि. राज्य भर मे एहि मौका पर कार्यक्रम सभ भs रहल अछि. मुदा सिर्फ राज्ये मे नहि एहि बेर राज्य सं बाहर सेहो कार्यक्रम कएल जा रहल अछि. मुख्य कार्यक्रम पटना के गांधी मैदान मे त भए रहल अछि... दिल्ली के प्रगति मैदान मे सेहो बड़का स्तर पर कार्यक्रम भs रहल अछि. दिल्लीक कार्यक्रम प्रगति मैदान मे 22 मार्च सं 5 अप्रैल धरि होएत. एहि मे अहांके शारदा सिन्हाजीक गीतनाद सेहो सुनय लेल मिलत. एकरे संग एहिठाम अहां बिहारी खानपान के स्वाद सेहो लs सकय छी. प्रगति मैदान मे बिहार दिवस पर जे कार्यक्रम भs रहल अछि ओहि के लेल कोनो प्रवेश टिकट नहि राखल गेल अछि. एहि ठाम अहांके बिहारक... मिथिलाक कला... लोक संस्कृति... गीतनाद... खानपान... मधुबनी पेंटिंग के बारे मे जानय समझय के मौका मिलत. आओर बिहारी भाई लोकनि के लेल त प्रगति मैदानक ई मौका लिट्टी- चोखा... लीची के जूस... खाजा मिठाई... तिलकुट के रहय छनि.
दिल्ली के संग-संग एहि बेरक बिहार दिवस मुम्बई... कोलकाता... चेन्नई... बंगलुरु के संग अमेरिका आओर खाड़ी के देश मे सेहो मनाएल जा रहल अछि. एहि के लेल बिहार सूचना आओर जनसम्पर्क विभाग... कला आओर लोकसंस्कृति विभाग दिन राति एक कएने अछि.
एहि बेरक स्थापना दिवस पर देश-दुनिया के बिहारक गौरवशाली अतीत सं परिचित कराएल जा रहल अछि. दुनिया के बताएल जा रहल अछि जे दुनिया के लोकतंत्रक उपहार बिहारक वैशाली सं मिलल छल. नालंदा... विक्रमशिला सं दुनियाभर मे ज्ञानक गंगा प्रवाहित भेल छल. बिहारक बोधगया सं भगवान बुद्ध दुनिया के शांतिक पाठ पढौंने छलाह. भगवान महावीर एतहि सं अपन संदेश दुनिया के देने छलखिन्ह. बात सम्राट अशोक के होए आ चंद्रगुप्त के...आ फेर राष्ट्रपति राजेन्द्र प्रसाद जीक. विद्यापति के होए आ दिनकर जीक. बिहार के हाशिया पर नहि राखल जा सकैत अछि. आजादी के लड़ाई मे राष्ट्रपिता महात्मा गांधी के अपन आंदोलन के लेल सेहो बिहारक चम्पारण के चुनय पड़लन्हि. सम्पूर्ण क्रांति के आगाज सेहो बिहार सं भेल. कि अहां एकरा बिसरि सकय छी?
बिहार के लोक अपन एहि गौरवशाली इतिहास के बिसरि गेल छथिन्ह. बिहार सं बाहर दोसरा सं नीक काज क रहल छथिन्ह... नीक पद पर छथिन्ह...ओहि ठामक विकास... प्रगति मे अहम योगदान द रहल छथिन्ह तखनो दोसर राज्य मे बिहारी के भइया आ अबे बिहारी कहि भगाएल जाएत अछि. मुदा आब एक बेर फेर सं बिहारी लोक मे एकटा नवका जोश... उत्साह... उमंग आओर स्वाभिमान जागृत भेल अछि. बिहारी गौरव के भान भेल अछि. आओर एहि के लेल मुख्यमंत्री नीतीश जी से पूरा जोर लगौने छथिन्ह.
बिहार दिवस पर मुख्य कार्यक्रम पटना के गांधी मैदान मे भs रहल अछि. एहि अवसर पर ऐतिहासिक... सांस्कृतिक विरासत के संग मध्यकालीन बिहार के उपलब्धि सं लोक के रुबरु कराएल जा रहल अछि... संगहि संग आजुक आधुनिक युग मे राज्य मे जे विकास भेल अछि ओकर प्रदर्शनी सेहो कएल गेल अछि.
एतबे नहि एहि बेर सिर्फ पटना मे नहि राज्य के सभ सरकारी दफ्तर... स्कूल... कॉलेज... ब्लॉक... जिला कार्यालय मे बिहार उत्सव मनाएल जा रहल अछि. स्कूल सभ मे प्रभात फेरी... प्रतियोगिता के आयोजन भs रहल अछि. एहि सभ के जोर-शोर सं करय के एक कारण अगिला विधानसभा चुनाव सेहो अछि. एहि के मार्फत नीतीशजी राज्य भर मे अपन विकासक गुणगान करय जा रहल छथिन्ह. मुदा एहि बारे मे गप दोसर बेर... अखन ओहि बारे मे गप करय के सही टाइम नहि अछि. अखन खुलि कs मनाउ बिहार दिवस उत्सव. त अहां सभ के बिहार दिवस पर शुभकामना.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

  1. हिन्दी में विशिष्ट लेखन का आपका योगदान सराहनीय है. आपको साधुवाद!!

    लेखन के साथ साथ प्रतिभा प्रोत्साहन हेतु टिप्पणी करना आपका कर्तव्य है एवं भाषा के प्रचार प्रसार हेतु अपने कर्तव्यों का निर्वहन करें. यह एक निवेदन मात्र है.

    अनेक शुभकामनाएँ.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर