Skip to main content

बिहार दिवस ...

आई बिहार दिवस अछि. आई सं 98 साल पहिने 1912 मे 22 मार्च के दिन बंगाल सं अलग करि बिहार के नया राज्य बनाएल गेल छल... बिहार के स्थापना भेल छल. हर साल 22 मार्च के राज्य सरकार के तरफ सं एकटा औपचारिकता के तौर पर बिहार दिवस मनाएल जाएत छल. मुदा एहि बेर बिहार सरकार एकरा बड़का स्तर पर मनाबय जा रहल अछि. राज्य भर मे एहि मौका पर कार्यक्रम सभ भs रहल अछि. मुदा सिर्फ राज्ये मे नहि एहि बेर राज्य सं बाहर सेहो कार्यक्रम कएल जा रहल अछि. मुख्य कार्यक्रम पटना के गांधी मैदान मे त भए रहल अछि... दिल्ली के प्रगति मैदान मे सेहो बड़का स्तर पर कार्यक्रम भs रहल अछि. दिल्लीक कार्यक्रम प्रगति मैदान मे 22 मार्च सं 5 अप्रैल धरि होएत. एहि मे अहांके शारदा सिन्हाजीक गीतनाद सेहो सुनय लेल मिलत. एकरे संग एहिठाम अहां बिहारी खानपान के स्वाद सेहो लs सकय छी. प्रगति मैदान मे बिहार दिवस पर जे कार्यक्रम भs रहल अछि ओहि के लेल कोनो प्रवेश टिकट नहि राखल गेल अछि. एहि ठाम अहांके बिहारक... मिथिलाक कला... लोक संस्कृति... गीतनाद... खानपान... मधुबनी पेंटिंग के बारे मे जानय समझय के मौका मिलत. आओर बिहारी भाई लोकनि के लेल त प्रगति मैदानक ई मौका लिट्टी- चोखा... लीची के जूस... खाजा मिठाई... तिलकुट के रहय छनि.
दिल्ली के संग-संग एहि बेरक बिहार दिवस मुम्बई... कोलकाता... चेन्नई... बंगलुरु के संग अमेरिका आओर खाड़ी के देश मे सेहो मनाएल जा रहल अछि. एहि के लेल बिहार सूचना आओर जनसम्पर्क विभाग... कला आओर लोकसंस्कृति विभाग दिन राति एक कएने अछि.
एहि बेरक स्थापना दिवस पर देश-दुनिया के बिहारक गौरवशाली अतीत सं परिचित कराएल जा रहल अछि. दुनिया के बताएल जा रहल अछि जे दुनिया के लोकतंत्रक उपहार बिहारक वैशाली सं मिलल छल. नालंदा... विक्रमशिला सं दुनियाभर मे ज्ञानक गंगा प्रवाहित भेल छल. बिहारक बोधगया सं भगवान बुद्ध दुनिया के शांतिक पाठ पढौंने छलाह. भगवान महावीर एतहि सं अपन संदेश दुनिया के देने छलखिन्ह. बात सम्राट अशोक के होए आ चंद्रगुप्त के...आ फेर राष्ट्रपति राजेन्द्र प्रसाद जीक. विद्यापति के होए आ दिनकर जीक. बिहार के हाशिया पर नहि राखल जा सकैत अछि. आजादी के लड़ाई मे राष्ट्रपिता महात्मा गांधी के अपन आंदोलन के लेल सेहो बिहारक चम्पारण के चुनय पड़लन्हि. सम्पूर्ण क्रांति के आगाज सेहो बिहार सं भेल. कि अहां एकरा बिसरि सकय छी?
बिहार के लोक अपन एहि गौरवशाली इतिहास के बिसरि गेल छथिन्ह. बिहार सं बाहर दोसरा सं नीक काज क रहल छथिन्ह... नीक पद पर छथिन्ह...ओहि ठामक विकास... प्रगति मे अहम योगदान द रहल छथिन्ह तखनो दोसर राज्य मे बिहारी के भइया आ अबे बिहारी कहि भगाएल जाएत अछि. मुदा आब एक बेर फेर सं बिहारी लोक मे एकटा नवका जोश... उत्साह... उमंग आओर स्वाभिमान जागृत भेल अछि. बिहारी गौरव के भान भेल अछि. आओर एहि के लेल मुख्यमंत्री नीतीश जी से पूरा जोर लगौने छथिन्ह.
बिहार दिवस पर मुख्य कार्यक्रम पटना के गांधी मैदान मे भs रहल अछि. एहि अवसर पर ऐतिहासिक... सांस्कृतिक विरासत के संग मध्यकालीन बिहार के उपलब्धि सं लोक के रुबरु कराएल जा रहल अछि... संगहि संग आजुक आधुनिक युग मे राज्य मे जे विकास भेल अछि ओकर प्रदर्शनी सेहो कएल गेल अछि.
एतबे नहि एहि बेर सिर्फ पटना मे नहि राज्य के सभ सरकारी दफ्तर... स्कूल... कॉलेज... ब्लॉक... जिला कार्यालय मे बिहार उत्सव मनाएल जा रहल अछि. स्कूल सभ मे प्रभात फेरी... प्रतियोगिता के आयोजन भs रहल अछि. एहि सभ के जोर-शोर सं करय के एक कारण अगिला विधानसभा चुनाव सेहो अछि. एहि के मार्फत नीतीशजी राज्य भर मे अपन विकासक गुणगान करय जा रहल छथिन्ह. मुदा एहि बारे मे गप दोसर बेर... अखन ओहि बारे मे गप करय के सही टाइम नहि अछि. अखन खुलि कs मनाउ बिहार दिवस उत्सव. त अहां सभ के बिहार दिवस पर शुभकामना.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

  1. हिन्दी में विशिष्ट लेखन का आपका योगदान सराहनीय है. आपको साधुवाद!!

    लेखन के साथ साथ प्रतिभा प्रोत्साहन हेतु टिप्पणी करना आपका कर्तव्य है एवं भाषा के प्रचार प्रसार हेतु अपने कर्तव्यों का निर्वहन करें. यह एक निवेदन मात्र है.

    अनेक शुभकामनाएँ.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...