नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

गौ-गंगा माता रक्षा लेल आगां आउ...

अपन भारतीय संस्कृति मे गौ आओर गंगा के कतेक महत्व अछि ई कहय के जरूरत नहि अछि. गौ आओर गंगा दूनु के अपना सभ माय के रूप मे पूजय छी. गौमाता आ गंगा माता कहि पुकारय छी. मुदा आजुक आधुनिक हालात मे दूनु संकट मे अछि. जीवनदायिनी गौ आओर गंगा दुनु के अस्तित्व खत्म भेल जा रहल अछि. एकर असर आबय वाला पीढ़ी के भुगतय पड़ि सकैत अछि. गाम-घर मे गौ माताक संख्या दिन पर दिन कम भs रहल अछि. गंगा सिकुड़ि रहल अछि... प्रदूषित भs रहल अछि. सच मे गंगा मैली भs गेल अछि. गंगा जल पिबय वाला त छोड़ु छुबय वाला नहि रहि गेल अछि.
एहन मे गौ आओर गंगा माता के रक्षा के लेल ठाड़ भेलाह अ अपन मिथिलाक परमहंस स्वामी चिदात्मन् जी महाराज. बेगूसराय के सिद्धाश्रम सिमरिया घाट मे हिनकर आश्रम छनि. हिनकर संस्था अखिल भारतीय सर्वमंगला विमुक्त भारत के तत्लाधान मे दिल्ली मे 13 आओर 14 मार्च के राष्ट्रीय संगोष्ठी भs रहल अछि. संगोष्ठी के विषय अछि ‘ राष्ट्रहित मे संस्कृति, धर्म, गौ आओर गंगा केर उपादेयता’ 13 मार्च के ई संगोष्टी दिल्ली के आईटीओ के पास दीनदयाल मार्ग पर राजेन्द्र भवन मे होएत. 14 मार्च वाला संगोष्ठी बिरला मंदिर मे होएत.
एहि मे करपात्री अग्निहोत्री परमहंस स्वामी चिदात्मन् जी महाराज के संग काशी सुमेरु पीठाधीश्वर जगतगुरु शंकराचार्य नरेन्द्रनंदजी सरस्वती...आश्रम मठ के जगतगुरु शंकराचार्य माधवाश्रम महाराज... प्रयाग पीठाधीश्वर रामामुजाचार्य स्वामी शिवमंगलदासजी... ताराचंडीधाम पीठाधीश्वर स्वामी अंजनेश जी महाराज के संग कइटा समाजसेवी सेहो शामिल होताह.
गंगा... यमुना सफाई अभियान पर करोड़ों... अरवों रुपया खर्च भs गेल मुदा गंगा... यमुना साफ नहि भs पाएल. एकरा लेल सभसं बड़का जरूरत अछि लोक के जागरूक करय के... लोक मे गौ... गंगा के महिमा समझाबय के... लोक के ई बताबय के कि अपन संस्कृति मे एकर कि महत्व रहल अछि. आओर एहि मे देश के स्वामी जी... धर्मगुरू... शंकराचार्य... नीक भूमिका निभा सकय छथिन्ह. हिनकर सभक बात मानय वाला लोक... शिष्य के संख्या लाखों... करोड़ों मे अछि. अगर सभ ई शपथ लेथिन्ह जे हम आब गंगा के गंदा करय मे सहभागी नहि बनब त एकरो बड़का असर पड़ि सकैत अछि. अगर हिनकर सभक विचार पर चलय वाला लोक ई शपथ लेथिन्ह जे आई सं हम गंगा... यमुना मे गंदगी के नहि जाए देब त ओ दिन दूर नहि जे अहां फेर सं खुलि कs गंगा... यमुना मे डुबकी लगा सकब. एहि के लेल हमरा... अहां सभ के सेहो शामिल होए पड़त. ई कोशिश करय पड़त जे गौ... गंगा माता के अस्तित्व बाचल रहय.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु