Skip to main content

दरभंगा मे नवाह यज्ञ



एहि बेर दिल्ली सं गाम जाए के क्रम मे पहिने गाम नहि गेलहुं. किछ दिन दरभंगा शहर मे रहय पड़ल. दरभंगा मे भगिनि के शादी छल ताही लेल सभ कोई... सभ रिश्तेदार दरभंगे आबि गेल छलखिन्ह. ओना त शादी सं पांच दिन पहिने पहुंचि गेल छलहुं तखनो सभ गोटे दरभंगे आबि गेल छलखिन्ह तखन हमहुं गाम केवटी जा क कि करतहुं. ओना गाम बेसि दूर नहि अछि शहर सं बस 16 किलोमीटर. सभ लोक के दरभंगा पहिनहि आबय के एकटा कारण ओहि बीच श्याया माई मंदिर मे नवाह यज्ञ के होनाए सेहो छल.


दरभंगा के राज कैंपस मे राज श्मशान मे स्थित मां रमेश्वरी श्यामा काली मंदिर मे पूजा-अर्चना... हवन... यज्ञ के संग नवाह यज्ञ 7 नवंबर के शुरू भेल छल. एहि दौरान लगातार  जय श्यामा माई श्यामा माई श्यामा माई जय श्यामा माई  नामधुन संकीर्तन चलैत रहल.  नामधुन शुरू करय वाला मे काशीनाथ झा किरण...  सुष्मा झा...  ममता ठाकुर...  पारस पंकज... अनामिका जी संग कइटा कलाकार शामिल छलाह.

श्यामा माई के लेल होए वाला नवाह यज्ञ में दरभंगा... मधुबनी... सीतामढ़ी ...समस्तीपुर सं लsक नेपाल तक के लोक सभ पहुंचल छलखिन्ह. नवाह खूब धूमधाम सं भेल. एहि ठाम नौ दिन तक चौबीसों घंटा श्यामा माई के नामधुन के जाप होएत रहल. एहि दौरान लगातार हवन सेहो होएत रहल.

एहि् मंदिर पर आब सरकारी नियंत्रण अछि. सरकारी नियंत्रण मे ई तेसर नवाह यज्ञ छल. एहि मंदिर मे ई नवाह यज्ञ बीस साल सं बेसि सं भ रहल अछि.... तेइस साल सं. शुरू मे ई यज्ञ लोक सभ के कल्याण के लेल पांच साल धरि करय के संकल्प लेल गेल छल मुदा लोक सभ मे एकरा प्रति एतेक लगन... उत्साह... भक्ति कायम भ गेल जे ई आई धरि चलि रहल अछि. मां श्यामा न्यास समिति के ओर सं बनल आयोजन समिति एहि पूरा आयोजन के करौलक.
नवाह यज्ञ के दौरान चूंकि हमहुं दरभंगे मे छलहुं त एहन मौका हाथ सं केना जाए देतहुं. पहुंचलौ मंदिर.  मंदिर मे भारी भीड़. 


ठेलम-ठेल. जेम्हर जाउ ओम्हर भीड़े-भीड़. मंदिर के भीतर सं लs क बाहर तक. मुदा आयोजन समिति के लोक सभ के... मंदिर के भीड़ नियंत्रित करय वाला कार्यकर्ता सभ के देखि के लागल जे ओ भीड़ के आओर बढ़ाबय मे लागल छथि. हुनकर कोशिश ई नहि रहैन्हि जे लोक के कोनो असुविधा नहि होए... लोक नीक सं जल्दी-जल्दी दर्शन कs मंदिर परिसर सं बाहर चलि जाउथ... बल्कि ओ आओर एहन स्थिति पैदा करि रहल छलखिन्ह जेहि सं भीड़ एकहि ठाम अटकल रहल... धक्का-मुक्की होए... भगदड़ जका स्थिति पैदा होए. सभ किछ सिस्टमैटिक ढ़ंग से करय के जगह ओ सभ जबरन... ओहिना भीड़ बनौले छलाह.

एहिना हाल हमरा भंडारा... कुमारि भोजन... बटुक भोजन के दौरान सेहो देखय लेल मिलल... गेट के बाहर जतेक लोक के भोजन कराबय के छलन्हि करीब-करीब ओतबे लड़की सब ठाड़ छलीह ... मुदा गेट पर ठाड़ दू- तीन टा मुस्टंड टाएप के लोक सभ जबरदस्ती गेट के आधा सं बेसि बंद कs भीतर घुसय लेल भगदड़ टाएप के माहौल बना देलखिन्ह जेहि सं धक्का-मुक्की होए लागल

मेला मे एकटा चीज आओर देखय लेल मिलल जे जखन आयोजन समिति सं जुड़ल आ मंदिर सं जुड़ल कोनो प्रमुख लोक एम्हर- ओम्हर सं गुजरय छलखिन्ह त पांच-सात टा लोक हुनका एकदम सं राजा- महाराजा टाएप स्वागत करैत एक ठाम सं दोसर ठाम लs जाएत छलखिन्ह एहि क्रम मे ओ पांच-सातटा लोक मंदिर मे दर्शन करय लेल आएल लोक के धक्का देएत एकदम सं कात कs दैत छलखिन्ह... हुनका लेल पांच-सात फीट रास्ता बना दैत छलखिन्ह जेना कि लोक सभ सं सटला सं ओ छुआ जएथिन्ह. आजुक जमाना मे ई सभ देख अचरज सेहो भेल.

 जे होए लोक सभ एहि ठाम होए वाला यज्ञ... हवन...नामधुन के खूब आनंद उठएलाह. मेला-ठेला सेहो खूब जमल रहय. दस तरहक झूला... खेल ... तमाशा... पचासों तरहक दोकान... मिठाई... लकड़ी के सामान...  शिल्प... लोककला सं जुड़ल सामान...बच्चा सभ के लेल खिलौना... फैशन के सामान सं लs क झिल्ली... मुरही आओर जलेबी तक. सभ किछ मिल रहल छल.  ओना एहिठाम होए वाला हवन... यज्ञ के भस्म...विभूति लेबय लेल सेहो भीड़ लागल रहल. गरीब लोक सभ मे साड़ी... कम्बल सेहो बांटल गेल.

नवाह के समापन दसम दिन यज्ञवेदी के पूर्णाहुति सं भेल. मंदिर के प्रधान पुजारी साढ़े ग्यारह बजे हवन मे आखिरी आहुति द आओर बारह बजि के बीस मिनट पर संकीर्तन के संग एहि क्रिया के सम्पन्न कएखिन्ह. एहि अवसर पर लोक सभ जोरजोर सं श्यामा माई के जयघोष कएलखिन्ह.  अगर कोनो साल नवाह यज्ञ के दौरान दरभंगा दिस रहि त देखय लेल जरूर जाउ. नीक लागत.



Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर