नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा सेहो सतर्क

नेपाल दिस भ रहल पानि सं उत्तर बिहार के नदी सभ मे जलस्तर बढ़ि गेल अछि.  नदी उफान मारि रहल अछि. बागमती मे त बाढ़ि आबिए गेल.  दोसर नदी सभ मे सेहो पानि बढ़ल जा रहल अछि.  अगर बिहार मे पानि भेल त स्थिति खराब भs सकैत अछि.  बिहार मे अखन धरि नीक सं पानि नहि भेल अछि.  सरकार बिहार के सूखाग्रस्त राज्य घोषित करय पर विचार करि रहल अछि.  एहन मे अगर दू-चारि दिन बाद पानि होएत अछि आओर झमैटि के आबैत अछि त स्थिति विकराल रूप धारण क सकैत अछि. 
मुदा अखन त बागमती के संग कोसी... कमला बलान... गंडक सभ मे पानि नेपाल दिस सं आएल पानि सं बढ़ल अछि.  पानि बढ़ले जे रहल अछि. हाल एहन भ गेल अछि जे दरभंगा जिला मे सेहो बाढ़ि के खतरा उत्पन्न भs गेल अछि.  कुशेश्वरस्थान... घनश्यामपुर... बिरौल... सिंघवाड़ा मे पानि कई ठाम गाम मे घुसि गेल अछि. दरभंगा के पास मब्बी मे सेहो बागमती के दबाव बढ़ि गेल अछि.  दरभंगा शहर अखन बाचल अछि. ओना बीच मे पानि भेल अछि. थोड़के पानि सं दरभंगा शहर के हाल बेहाल अछि.  सड़क पर चलनाय मुश्किल भ गेल अछि.  ठेहुन भर पानि लगि गेल अछि.  आओर पानि के निकास नहि भेलाह सं स्थिति भयावह अछि. ओना बागमती आओर कमला बलान नदी पर प्रशासन के पूरा नजर अछि.  सरकार... प्रशासन के तरफ सं पूरा सतर्कता बरतल जा रहल अछि.  चौबीसों घंटा निगरानी कएल जा रहल अछि.  कई ठाम त बाढ़ि के कारण लोक सभ परेशान छथिन्ह.  मुदा अखन सभ ध्यान शहर पर रहलाके कारण लोक सभ के नीक सं राहत नहि मिलि पाबि रहल अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु