नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बागमती के तटबंध टूटल...

सीतामढ़ी के रुन्नीसैदपुर मे बागमती नदी के तटबंध टूटि गेल अछि. तटबंध टूटला सं एकटा बड़का इलाका मे पानि घुसि गेल.  सीतामढ़ी... मुजफ्फरपुर  के करीब 200 गाम मे पानि घुसल अछि.  बिहार सरकार के तरफ सं एकटा उच्च स्तरीय जांच दल भेजल जा रहल अछि.  एहि दल मे तमाम बड़का अफसर शामिल होथिन्ह.  सरकार के तरफ सं राहत के काज शुरू कएल जा रहल अछि.   मुदा लोक के कहनाय छनि कि ओ नाकाफी अछि. लोक  सभ के इहो कहनाय छनि जे तटबंध प्रशासन के लापरवाही के कारण टूटल अछि.
रुन्नीसैदपुर के लोक के कहनाय छनि जे बांध मे पहिने छोटका छेद छल. छेद दsक पानि के निकलैत देखि लोक सभ एकर जानकारी अफसर सभ के देलखिन्ह.  मुदा एहि गरमी मे के घर सं बाहर निकलैत अछि ?  किछ नहि कएल गेल.  छोट छेद बड़का भs गेल.  एहन बड़का भेल जे 50- 60 फीट चौड़ा भs गेल.  आओर पानि के दबाव पर ई हर समय बढ़िए रहल अछि. मुदा अहां कोनो अफसर सं लापरवाही के बात कहिऔ ओ मानए लेल तैयार नहि होताह.  कहताह हमर व्यवस्था  दुरुस्त अछि.
दूर-दराज के गाम मे बांध टूटला के खबर फैलल त लोक सभ सामान ल भागय लगला.  मुदा कतेक भागताह... ऊंच ठाम शरण लेलाह.  बेसि लोक त बांधे पर  शरण लेने छथि.  अखन त बिहार मे ढंग सं पानि नहि भेल अछि.  गरमी सं सूखा के स्थिति अछि एहि मे नेपाल दिस सं आएल पानि सं बागमती मे पानि उफान मारि रहल अछि.  सोचिऔ जखन पानि अनाए शुरू होएत त कि हाल होएत. अखन कइटा गाम मे पानि घुसल अछि.
 अहां सभ ई बताबय के कोशिश करु कि कहिं अफसर सभ के ई कोशिश त नहि रहय छनि जे बाढ़ि आएत त सरकारी राहत... बचाव के नाम पर पाई... सामान आएत?  पाई आएत क कमाए के मौका मिलत?  कि एहन मंशा त नहि रहय छनि?  अहां अपन विचार राखब.

Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु