ईमेल सं मिलल एकटा मैसेज सं पता चलल जे फिल्मकार करण जौहर के एकटा फिल्म के लेल किछ लोक के जरूरत छनि. अगर अहां सभ फिल्म लाइन मे जाए सं रुचि राखय छी... अभिनय क्षेत्र सं जुड़डल छी... त अहां सभ के लेल ई नीक मौका अछि. नीचा देल गेल फोन पर सम्पर्क कs पूरा जानकारी ल लिअ.
Dharma Productions ( Karan Johar Films )
Requirement: Gilrs & Boys 20-55 age bracket.
Also looking out for kids girls: 11 to 13 and boys 8 to 10.
मिथिलांचल सहित बिहार के एकटा बड़का हिस्सा मे खाना पकाबय वाला गैस के जे किल्लत रहैत अछि ओ जल्दीए खत्म होएत. एहि बात के भरोस पेट्रोलियम आओर प्राकृतिक गैस राज्यमंत्री जितिन प्रसाद देलखिन्ह. श्री प्रसाद के कहनाय छलन्हि जे एलपीजी गैस के किल्लत के देखैत तेल कंपनी कइटा नवका बॉटलिंग प्लांट लगाबय जा रहल अछि. मंत्री जी के कहनाय छलन्हि जे बिहार के मुजफ्फरपुर मे बॉटलिंग प्लांट लगाबय के काज शुरू भ गेल अछि. जितिन प्रसादजी खुद मानलखिन्ह जे कंपनी के दावा के बावजूद बिहार मे गैस के लेल मारामारी होएत रहैत अछि ओर नवका प्लांट लगला सं ग्राहक... उपभोक्ता के किछ राहत मिलतन्हि. अखन त बिहार मे गैस के लेल बड़ दिक्कत भ जाएत अछि. सभ सं बेसि परेशानी त बरसाति... पानि के दिन होएत अछि. एंजेसी वाला के आगां-पाछां दौड़ेत रहु. मुदा गैस मास-मास दिन तक नहि मिलत. एक त गैस मिलला के 21 दिन... मास दिन बाद नंबर लागत. आओर ओ नंबर फेर कहिआ आएत ओ भगवाने जानैत छथिन्ह. बस दौड़ैत रहु. बरसाति मे रास्ता बंद भेलाह सं सेहो परेशानी होएत अछि. गैस वाला ट्रक नहि आ पाबैत...
दरभंगा के जेएमआईटी सं डॉ जगन्नाथ मिश्रा के नाम हटा देल गेल अछि. आब एकर नाम सिर्फ दरभंगा इंजीनियरिंग कॉलेज रहत. इंजीनियरिंग कॉलेज सं जगन्नाथ बाबू के नाम हटाएल गेला सं लोक सभ नाराज छथिन्ह आओर एकर विरोध सेहो भs रहल अछि. पूर्व विधायक लोकनि एहि बारे मे अपन विरोध जताबैत सरकार के चिट्ठी सेहो लिखलथिन्ह . ओना एकरा अखनो लोक जेएमआईटी के नाम सं पुकारय छथिन्ह. नाम के लs क एकटा पेंच सेहो अछि. जगन्नाथ मिश्रा इंस्टीच्यूट ऑफ टेक्नालॉजी के नाम दरभंगा इंजीनियरिंग कॉलेज त कs देल गेल मुदा कॉलेज के मान्यता ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय सं जेएमआईटी के नाम सं मिलल अछि. आब एकरा लेल सरकार के पत्र जारी करय पड़त एहि सभ मे टाइम लगि सकैत अछि. लोक सभ के इहो कहनाय छनि जे जखन एकर नाम बदलहे के छल त दु दिन पहिने एकरा जेएमआईटी के नाम सं विश्वविद्यालय सं किएक संबंध कएल गेल. ओना एहि ठाम आब पढ़ाई शुरू भs गेल अछि. एहि ठाम अखन सवा सय छात्र अछि. एकर उद्घाटन 20 नवम्बर के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी कएलथिन्ह. एहि अवसर पर मुख्यमंत्री जी के साफ कहनाय छलन्हि जे बिह...
श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...
ट्विटर स्पेस पर 20 सितंबर केर मिथिला राज्य निर्माण यात्रा पर चर्चा राखल गेल छल। परिचर्चा के शुरुआत सभदिन जकां नित्यानंद झा जी करलखिन्ह। बाद मे नितेश झा निक्की जी सेहो जुड़ि गेलखिन्ह। परिचर्चा मे मिथिला स्टूडेंट यूनियन के युवा नेता अनूप मैथिल जी मिथिला राज्य निर्माण यात्रा पर विस्तार सं अपन बात राखलखिन्ह। अनूप जी कहलखिन्ह जे हम सभ गाम-गाम जा मिथिला के आम लोक के जगाबय के काज करब।
दिल्लीक ताज पैलेस होटलमे 31 अगस्तक दिन आयोजित भव्य संगोष्ठी आ पुस्तक विमोचन समारोह मिथिला आ सम्पूर्ण भारतक सांस्कृतिक आ ऐतिहासिक चेतनाक दृष्टिकोण सं एकटा महत्वपूर्ण अवसर रहल। एहि आयोजनक मुख्य विषय छल 'भारतक आध्यात्मिक, सांस्कृतिक आ
दिल्ली के प्रेस क्लब ऑफ इंडिया मे शनि दिन, 12 नवम्बर के मिथिला महोत्सव-6 आ मैथिली साहित्य महोत्सव-3 के आयोजन कएल गेल। मैथिल पत्रकर ग्रुप द्वारा प्रेस एसोसिएशन, प्रेस क्लब ऑफ इंडिया आ ओखला प्रेस क्लब के सहयोग स एहि कार्यक्रम केर आयोजन कएल गेल। आयोजनक शुरुआत मैथिली साहित्य महोत्सव ३ सं भेल। साहित्य महोत्सव के दू सत्र मे दूटा विषय पर चर्चा भेल, ‘हवाई जहाज दरभंगा पहुँचला पर मिथिलाक विकास केँ कतेक पाँखि भेटल’ आ
आई कोजगरा के दिन बड्ड नीक खबर मिलल। एमएसयू के कर्ताधर्ता आओर युवा नेता अनूप मैथिल जी ट्वीट कs जानकारी देलाह जे मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे 200 करोड़ के निवेश करय जा रहल छथिन्ह। अनूप जी अपन ट्वीट मे लिखलाह जे,
वरिष्ठ साहित्यकार श्री जगदीश मंडल जी के हुनक उपन्यास 'पंगु' लेल वर्ष 2021 केर मैथिली भाषाक साहित्य अकादमी पुरस्कार सं सम्मानित कएल जएबाक निर्णय भेल अछि। एहि सम्मान के लेल मंडल जी के हार्दिक बधाई आ शुभकामना। हिनकर उपन्यास 'पंगु' साल 1942-75 के बीच केर किसानक परिवेश पर आधारित अछि। ई उपन्यास साल 2018 मे छपल छल।
मिथिला-मैथिलीक लेल मैथिल युवा सभक प्रतिबद्धता देखि मन गदगद अछि। मिथिला राज्य लेल हिनक सभक तीव्र इच्छा सभ मैथिल के दिल मे हलचल मचा देने अछि। पिछला किछ साल सं अलग मिथिला राज्यक मांग लेल जे आंदोलन चलि रहल छल ओकर एकटा आकार 21 अगस्त के जंतर-मंतर पर देखय लेल मिलल। एहि आंदोलन के संपूर्ण मिथिलाक लोक के सहयोग मिलल। संगहि संग पहिल बेर कइटा संगठन एक संग आबि अलग मिथिला राज्यक मांगके अपन समर्थन देलखिन्ह।
एकटा पेपर निकलय छै गौड़संस टाइम्स. एहि में एकटा संगी काज करय छथिन्ह प्रीति पाण्डेय. हुनका एकटा परिचर्चा के लेल हमर विचारक जरूरत छलन्हि. विषय छल विज्ञान विषय के प्रति लोकक रुझान किएक घटि रहल छै ? हम जे हुनका अपन विचार देलयन्हि से एहिठाम अहां सभ के सेहो बता रहल छी. हमरा विचारे त आई काल्हि जे जॉब के ट्रेंड छै ओहि में आईटी... बीपीओ... केपीओ... मैनेजमेंट... रिटेल... हेल्थ... फाइनेंस...बैंकिंग आओर मीडिया बढ़त बनौने अछि. एहि में विज्ञान अपना के काफी पाछा पाबैत अछि. आजुक युवा ट्रेंडक हिसाब सं चलय के चाहैत अछि. चाहे ओ फैशन होय... ऑटो होय... खाना पीना होय या सोशल नेटवर्किंग सं जुड़य के बात. एहि सभक पाछा कोनो लेटेस्ट ट्रेंड होय त बात बनैत अछि... आओर ईहे चीज जॉब में सेहो छै. एहि में विज्ञान कतोउ नहि ठहरैत अछि. 15-20 साल पहिने जखन जॉब के लेल ज्यादा ऑप्शन नहि छल तखन लड़का सभ हाई स्कूल पास कएला के बाद मेडिकल... इंजीनियरिंगक तैयारी में जुटि जाय छलाह. ओहि समय एकरा अलावा...स्टॉफ सलेक्शन आओर बैंकिंग टा में जायके रास्ता बचैत छलन्हि. आओर ए...
anhake ee website bahut neek prayas acchi. dhnywaad!
ReplyDeleteAhanke neek laagal... ee jaani man khush bha gel... dhanyawad
ReplyDelete