नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आईसीआईसीआई मे नहि जमा होएत सरकारी पैसा...

बिहार सरकार आब आईसीआईसीआई बैंक मे अपन पाई नहि राखत.  बिहार के उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी के कहनाय छनि जे आईसीआईसीआई जरूरतमंद लोक के ऋण...  कर्ज नहि दैत अछि. मोदीजी के पास वित्त मंत्रालय सेहो छनि.  हुनकर कहनाय छनि जे निजी बैंक आम आदमी के लोन दय मे आनाकानी करैत अछि... कोताही बरतैत अछि.  एहि लेल अधिकारी सभ के निर्देश देल गेल अछि जे एहि बैंक मे सरकारी पाई नहि राखल जाए.  ICICI बैंक के बिहार मे अखन 16 टा शाखा अछि आओर 17 टा आओर खोलय चाहैत अछि.  मुदा पिछला वित्तीय वर्ष मे ई शैक्षिक आओर उद्योग सं जुड़ल एको पाई के लोन नहि देलक.  सुशील जीक कहनाय छनि जे एहि बैंक मे जतेक पाई जमा अछि...  आओर एकरा जतेक लोन देबाक चाही छल ओहि सं काफी कम लोन बांटलक.  एकरा स्वीकार नहि कएल जा सकैत अछि.  बैंक के तरफ सं सिर्फ 168 किसान के किसान क्रेडिट कार्ड देल गेल अछि.  खबर त इहो अछि जे बैंक बिहार मे आम लोक के क्रेडिट कार्ड जारी नहि करि रहल अछि.


Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु