बिहार सं महिला सांसद

बिहार मे नीतीशजी के मिलल भारी कामयाबी के पाछा जे कारण अछि ओहि मे एकटा कारण राज्य के पंचायत चुनाव मे महिला सभ के 50 प्रतिशत आरक्षण सेहो अछि. मुदा लोकसभा मे एहन कोनो आरक्षण नहिं रहय के कारण बिहार सं सिर्फ 4 टा महिला सांसद चुनल गेलीह. महिला आरक्षण बिल कई साल सं अघर मे पड़ल अछि. एकरा पास कराबय के लेल सभ पार्टी के सांसद के...नेता के मिलिजुलि के प्रयास करबाक चाही. एहि बेर चुनल गेल चारिटा सांसद मे...
मीरा कुमार- सासाराम ( कांग्रेस )
रमा देवी- शिवहर ( बीजेपी )
मीना सिंह- आरा ( जेडीयू )
अश्वमेघ देवी- उजियारपुर ( जेडीयू ) शामिल छथि.
अगर लोक सभा चुनाव के आरक्षण सेहो रहैत त ई संख्या किछ बढ़ि सकैत छल. किएक त एहि बेर अठारह टा महिला उम्मीदवार चुनाव मैदान मे छलीह. ओना एहि मे किछ बाहुबली नेता के पत्नी आओर मां सेहो शामिल छलीह. जेहि मे शहाबुद्दीन के पत्नी हेना शहाब... आनन्द मोहन के पत्नी लवली आनन्द... पप्पू यादव के पत्नी रंजीता रंजन आओर सूरजभान के पत्नी वीणा देवी सेहो शामिल छलीह. हिनका सभ के हार के मुंह देखय पड़लन्हि. ओना हारय वाला मे काराकट सं पूर्व केंद्रीय मंत्री कांति सिंह के संग पूर्णिया सं माधवी सरकार शामिल छथिन्ह. हारय वाला दोसर उम्मीदवार मे नालंदा सं शशि यादव... नवादा सं सुनीला देवी... बेगूसराय सं अमिता भूषण... पूर्णिया सं पप्पू यादव के मां शांतिप्रिया देवी... अररिया सं कमली देवी... पाटलिपुत्रा सं रीता सिन्हा... औरंगाबाद सं अर्चना चंद्र आओऱ गया सं कलावती देवी शामिल छथिन्ह.

Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeed Add to Technorati Favorites


TwitIMG

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दरभंगा महाराज केर मूर्ति सं छेड़छाड़

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा