मैथिली ब्लॉगक दुनिया मे एकटा आओर नाम जुड़ि गेल अछि... मिथिलाक बात. एहि ब्लॉग के देखि रहल छथिन्ह सतीश चंद्र झा जी. मैथिली आओर समाज के लेल सतीशजी नीक काज क रहल छथि. सतीशजी सोसायटी फॉर कम्प्यूटर एजुकेशन सं जुड़ल छथि . सतीशजी एहि संस्था के विमल चंद्र झा जीक संग मिलि 1993 मे गाम- घरक युवा वर्ग के कम्प्यूटर शिक्षा देबय लेल खोललाह। एहि संस्थान सँ कइटा छात्र कम्प्यूटर शिक्षा ग्रहण करि नीक पद पर कार्यरत छथि।
![Add to Technorati Favorites](https://lh3.googleusercontent.com/blogger_img_proxy/AEn0k_uKLJKs72k-UtX58NxjzDXSqMg_km_r0_5K0UVFk7CDCU8fD3gMd0MaBx6JLmImd-9EHb5zUXZYk2NK96OT1GHa5n1gUDeIPsLQnNh6ZR7G12gr3wsRog=s0-d)
मिथिलाक बात ब्लॉग मे मिथिलाक विभूति... मैथिलीक गीत-नाद... मिथिला पेंटिंगक नीक झलक मिलैत अछि. एहिना दु-चारि टा मैथिली ब्लॉग बीच-बीच मे आबैत रहत त लोक के सेहो मैथिलीक कथा पिहानी... गाम घरक समाचार मिलैत रहतन्हि. ओना अखनो मैथिली मे जतेक प्रयास होबाक चाही नहिं भs रहल अछि. जे काज होएबो करैत अछि त पटना- दिल्ली मे विद्वान लोकनि के बीच. एकर फायदा आम लोक तक नहिं पहुंचि पाबि रहल अछि. हर साल सुनैत छी जे हिनका साहित्य अकादमी पुरस्कार मिललन्हि... त हुनका मैथिलीक फलां किताब के लेल ओ सम्मान मिललन्हि. मुदा कि सम्मान... पुरस्कार ल क चाटल जाएत कि. जिनका सम्मान मिलैत छनि हुनको पता छनि जे पुरस्कार समिति आओर दु चारि टा संगी-साथी के छोड़ि हुनकर किताब किनको देखिओ लेल नहिं मिलैत अछि. एहन मैथिलीक विकास के कि फायदा ? पटना- दिल्ली मे बैसल दु चारि टा लोक अपने मे किताब लिखय छथि आ अपने मे पढैंत छथि... आ अपने मे पुरस्कार बांटि लैत छथि. पैघ-पैघ कथित विद्वान लोकनि जे सभ ठाम अपन -अपन गोटी बिछौने रहैत छथि हुनका सं विकास नहिं होएत. आम लोक के आगां आबय पड़त. मिथिला मे त एहन अछि जे दु चारि टा गिनल-चुनल दोकान के छोड़ि कोनो किताबक दोकान पर मैथिलीक एकटा किताब नहिं मिलत. एहन मे मैथिलीक ब्लॉग... वेबसाइट आबैत अछि त आ नीक खबर अछि. मिथिलाक बात के... सतीश जी के एकरा लेल धन्यवाद. नवका ब्लॉग पढ़य लेल क्लिक करु - मिथिलाक बात
![](https://blogger.googleusercontent.com/img/b/R29vZ2xl/AVvXsEisHbOdtjD8twJkjbKpsV7Y8P2DHFc5a40L66qrBEzXB_DOB42qQsgcQPcwqNfYAnZbVe5jUBXk7C_W3lKX05hxVoOgV_k0dpk-dotsF_QEytg_nYXt30VvQUlZufsmLF-gzNKNdp9wQwQ/s400/mail.png)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु