नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

असल किंग मेकर

चुनाव के समय आबिते नेताजी सभ अपन लाव-लश्कर के संग चुनाव मैदान मे जुटि जाए छथिन्ह. हुनका सभ के लेल ई एकटा तीर्थाटने अछि. तीर्थाटन मे मंदिर के गली-गली परिक्रमा करय जकां गामे-गाम घुमि रहल छथि. इलेक्ट्रॉनिक वोटिंग मशीन... ईवीएम अएला सं वोट पर कब्जा करय पर सेहो रोक लगि गेल अछि. एहि लेल चुनाव मे पहिले सं कनि बेसि मेहनत करय पड़ि रहल छन्हि. पहिने त कई ठाम दु-चारिटा बम फोड़ि लोक सभs के डरा - धमका वोट पर कब्जा क s लेल जाएत छल. जकर लाठी तकर वोट. मुदा आब एहि सभ मे बड़ सुधार भेल अछि. चुनाव आयोग कड़ाई कएने अछि. आदर्श आचार संहिता के डर सभ नेता जी के छन्हि. उम्मीदवार सभ घर -घर जाsक प्रचार मे लागल छथि. जे पहिले सं सांसद... मंत्री छलाह ओ विकासक बात करय छथिन्ह. अपन-अपन काजक उपलब्धि गिना रहल छथिन्ह. हम ई कएलौं त ओ कएलौं. नेताजी सभ अपन- अपन जाति के प्रभुत्व वाला लोक सभ के सेहो संग ल जनाय नहिं भूलि रहल छथिन्ह. जाति-धर्म सभ तरहक समीकरण... दांव अजमाएल जा रहल अछि. कइटा लोक एहनो मिलि जाएत जे पांच साल धरि जिनका गड़िआबैत छलखिन्ह. वोट अएला पर हुनके आगां-पाछां कs रहल छथिन्ह. वोट होमय दिऔ फेर सभ ओहिना के ओहिना रहत. लोक सभ के जाति- धर्म छोड़ि... नीक उम्मीदवार के चुनबाक चाही. अहांक जिला... लोकसभा क्षेत्र के प्रतिनिधि एहन होबाक चाही जिनकर नाम अहां गर्व सं लs सकि... नहिं कि मुंह चुराबय पड़य.
जिला... राज्य के बाहर जाइ त लोक के कहय लेल रहय जे हमर प्रतिनिधि फलां छथि. एतेक पढ़ल-लिखल... विद्वान... योग्य छथि. नहिं कि हुनका पर दस टा मामला चलि रहल छनि. एतेक अपहरण... हत्या आओर दस तरहक केस छनि. एहन उम्मीदवार के चुनु जिनका जीतला सं इलाका के विकास होए. गाम- घर के विकास होए. लोक के रोजगार मिलय. लोक दिन-राति-सांझ कोनो समय बेधड़क- बेझिझक घर सं निकलि सकथि. कोनो डर नहिं होए. अपन गाम-घर देखिऔ आ पंजाब... हरियाणा... राजस्थान... महाराष्ट्र... आंध्र प्रदेश... तमिलनाडु आ कर्नाटक सभ के देखिऔ विकास के मामला मे कतेक आगां अछि. चाहे आ सड़क... बिजली... पानि... सिंचाई... रोजगार आ सुरक्षा के मामला होए. बिहार... मिथिला सभ सं पिछड़ल अछि. आब जागु. जाति- धर्म के नाम पर कतेक दिन पछताएत रहब. अपन नहिं अपन बाद के आबय वाला लोक के... धिआ-पुता के बारे मे सोचिऔ. वोट सोचि समझि के दिअ. जे नीक लोक छथिन्ह... हुनका चुनु. बटन दबाबय काल कोई नहिं रहत. किनका वोट द रहल छी...कोई नहिं देखत. भारत मे गुप्त मतदान होएत अछि. कोई नहिं बुझत कि अहां ककरा वोट देलअहिं. नेता सभ के देखा दिऔ जे असल किंग मेकर अहिं छी.

Bookmark and ShareSubscribe to me on FriendFeed

1 टिप्पणी:

  1. Hitendraji

    anha jakhan chup rahait chhi ta mon nahi lagait achhi, kahnao kal ta ekta aashanka seho janama lagait achhi , kiyeak chup chhi anha, anaga ja ehan sthiti aabe ta kam sa kam ekta du pantik chhithi ta likhi del karu.

    sab thik thak achhi, ahina likhait rahu. aba wala din me maithilik prati ummeed anhi san lok sa achhi.

    Shubha kankchi

    Manoj pathak.
    pathakdsb@yahoo.co.in

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु