नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

राजपथ पर मिथिला संस्कृति

दिल्ली मे राजपथ पर होए वाला गणतंत्र दिवस समारोह मे एहि बेर मिथिलाक लोक संस्कृति के छटा देखल लेल मिलत. ई छटा गणतंत्र दिवस समारोह मे बिहार के झांकी मे मिलत. झांकी मे मिथिलाक लोक संस्कृति मे सौराठ सभा आओर मधुबनी पेंटिंग आकर्षण के केंद्र रहत. मिथिलाक लोक संस्कृति दुनिया भर मे अपन एकटा अलग छटा बिखरैत रहल अछि. मिथिलाक लोककला...भाषा... साहित्य... रहन- सहन... खानपान... गीतनाद...शादी-विआह सभ के अपन अलग पहचान अछि. सभ अपना मे एकटा विविधता लेने अछि. मधुबनी पेंटिंग के त गप्पे छोड़ु. दुनिया भर मे अपन धाक जमा चुकल अछि. त झांकी मे पेंटिंग के संग मिथिलाक रहन- सहन...पहनावा... सौराठ सभा के विआह...पंजीकार सभ के झलक मिलत ई मिथिलाक लेल गर्व के बात अछि. गणतंत्र दिवस समारोह मे होए वाला झांकी देखल लेल दुनिया भर सं लोक आबय छथिन्ह आओर दुनिया भर मे टीवी पर लोक सभ सेहो देखय छथिन्ह. कोनो नई कोनो देश के राष्ट्रपति या प्रधानमंत्री सेहो मुख्य अतिथि के रूप मे मौजूद रहय छथिन्ह. एहि तरहे झांकी के मार्फत सं दुनिया के सामने मिथिलाक झांकी पेश कएल जाएत.

6 टिप्‍पणियां:

  1. RAAJPATH par mithila sanskriti, ea khabar dekhi k,a man gad-gad bhay gel

    जवाब देंहटाएं
  2. namskar ham kamlesh kumar mukhiya
    delhi she bole chi
    acvha apan bihar kiya nye sudhra ga
    je ya rajniti kam haa
    ya log budhi maan haa
    ya ta murkh
    ki yaeka kuch matlab batyab ki

    जवाब देंहटाएं
  3. apan maithila bashi ke shubh shubh namskar
    hamra darbhanga ke khabar suna diya
    aur massha mirzapur ke kiya ki
    hamar ghar massha mirzapur haa

    agar suna shakai chi ta jaldi jabab diya
    ham aur hamar dost sab seho shunat

    जवाब देंहटाएं
  4. maithili me likhbaak lel mon t hoit aichh,paranch comments likhbaak lel Hindi font'k prabandh kayal jaay, se aagrah.Transliterated Maithili me o baat nahi hoit chhaik. Jena Orkut me Devanagari me scrap likhbaak suvidha chhaik, ki tahina ehi par nahi sambhava chhaik ki? Kripaya dhyaan diyouk.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु