नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

किछ फर्क नहिं पड़ल...

नीतीश जी के मुख्यमंत्री बनला तीन साल सं बेसि भेल. मुदा जखन हम अपन गाम दिस देखय छी त किछ फर्क नहिं बुझाइत अछि. जेहना तीन साल पहिने छल तहिना आइओ अछि. बिजली... पानी... सड़क... पढ़ाई-लिखाई आओर बेरोजगारी... सभ तेहिना अछि. बिजली के बल्ब जेना तीन साल साल पहिने टिमटिमाइत छल तेहिना आइओ. लोक सभ के कहनाय छनि जे तीस-चालीस साल पहिने जे बिजली के पोल लागल ओहि टाइम मे जे तार लागल रहय... सेहो अखनो धरि लागल अछि. बीच मे कांग्रेस... जनता दल... एनडीए कइटा सरकार आएल...मुदा नव किछ नहिं भेल. पुरान कम लोड वाला तार होबाक कारणे आओर कनेक्शन दिन पर दिन बढ़ैत रहला के कारण लोड नहिं लैत अछि. एहि फेज सं ओहि फेज मे लाइन होएत रहैत अछि आ बल्ब टिमटिमाइत रहैत अछि. हमर गाम सं सटल गाम सभ जे मेन रोड सं कनि हटि के अछि... ओहिठामे हाल त आओर खराब अछि. बिजली के खंभा लागल मुदा तार नहिं लागल... कईठाम सं त खंभा सेहो गायब भ गेल अछि. अखनो कइटा गाम अछि जिम्हर बिजली पहुंचलों नहिं अछि. अखनो ओहि गाम सभ मे लालूजी के लालटेने जलैत अछि.

पानि के हाल तं एहन अछि जे सरकार के कागज पर दर्जनों हैंडपंप गड़ायल मिलि जाएत मुदा लोकेशन पर एको टा नहिं मिलत. नहिं जानि कतs गड़ाएल अछि ओ हैंडपंप सभ. सभ ऊपरे सं ऊपर खा लैत अछि. पानी टंकी सेहो बनल मुदा अकन धरि लोक सभ के ओकर लाभ नहिं मिलि रहल अछि. सरकार तरफ सं बीच मे शौचालय बनय के स्कीम आएल छल. एहन- एहन शौचालय बनल जे मास दिन नहिं टिकल... लोक पहिने जकां अखनो खेते दिस जाएत छथिन्ह.

सड़क के त हाले नहिं पुछुं. पता नहिं चलत जे कतs सड़क अछि आ कतs खद्दा. हमर गाम दरभंगा शहर सं 16 किलोमीटर दूर अछि. दरभंगा सं जयनगर के बीच मेन रोड पर . ई रोड दरभंगा के नेपाल सं जोड़ैत अछि. बीच मे एयरफोर्स स्टेशन सेहो अछि. मुदा रोड के हाल ई जे 16 किलोमीटर जाय मे अहां के डेढ़ सं दु घंटा लगि जाएत. गाम- घर सं बराबर या रोज दरभंगा जाय वाला लोक सभ के त आदत पड़ि गेल छनि. मुदा नवका लोक के त हालत खराब भs जाइ छनि. बस...गाड़ी के सीट के पकड़ने रहय छथिन्ह जे नहिं जाने कखन गाड़ी उलटि जाएत. नेशनल हाइवे जे स्वर्णिम चतुर्भुज के नाम सं बनि रहल अछि... ओ जरूर नीक सं बनि रहल अछि मुदा राज्य सरकार वाला रोड के हाल पहिने जका अछि. नीतीश जी के सरकार सेहो सिर्फ गप्पे पर चलि रहल अछि. हुनकर मंत्रिओं सभ किछ क नहिं रहल छथिन्ह. किछ दिखि नहिं रहल अछि. लोक के जे विकास होइ छै जे दिखबाsको चाही. ई तीन साल मे त हमरा गाम मे कोनो फर्क नहिं बुझाइत अछि... अहांक गाम दिस कि हाल अछि ?


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु