नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

महानायक लोकनायक


11 अक्तूबर... सदी के महानायक बिग बी... अमिताभ बच्चन केर जन्मदिन.
सुबहे सं सभ चैनल पर बिग बी छाएल छलाह. ओना शुरू मे जन्मदिन के लsक न्यूज़ मे छलाह मुदा बाद मे अस्पताल मे भर्ती के खबर आबय लागल. जखन बिग बी के गप्प होए छन्हि त कोई गोटे किआ एहि खबर सं हटता. सभ एहि खबर सं चिपकल रहला. मुदा एकर बीच एकटा खबर एकदमे सं नहिं चलल ओ ई कि आई सदी के महानायक के संग देश के लोकनायक के जयंती सेहो छल. तीन दिन पहिने हुनकर पुण्यतिथि आएल आओर गेल किनको मालूम पड़लन्हि किनको नहिं. सभ सं अचरज के गप्प त ई जे लोकनायक जयप्रकाश नारायणजी के भानजी सुधा श्रीवास्तव बिहार सरकार मे मंत्री छथिन्ह मुदा किछ नहिं भेल. आब त मात्र एकटा औपचारिकता निभा कs हुनकर फोटो पर फूल माला चढ़ा देल जाइत अछि. कहां सुबह मे महानायक बिग के जन्मदिन के बधाई देबय वाला लोकक तांता फेर दोपहर बाद हालचाल जानय वाला लोकक तांत. आओर कहां जेपी... आई लोक के लोकनायक जयप्रकाश नारायण के सम्पूर्ण क्रांति के बारे से सेहो नहिं पता छन्हि. एकटा पेपर मे पढ़लहुं जे किछ लड़का सं पूछल गेल जे संपूर्णक्रांति के बारे मे कि जानय छी त हुनकर जवाब छलन्हि जे ई पटना सं दिल्ली के बीच चलय वाला ट्रेन अछि. आब अहां सोचि सकय छी केना मनत हिनकर जयंती ? लोक केना करथिन्ह हुनका याद ? बाजार सं प्रभावित भs पढ़ाई- लिखाई के सेहो पश्चिमीकरण भs गेल अछि. आब स्वतंत्रता सेनानी... स्वतंत्रता संग्राम के बारे मे नीक सं पढ़ाई सेहो नहिं भs रहल अछि. अंग्रेजी स्कूल के पढ़ाई मे भारत कम विदेश बेसि रहैत अछि. कि करबय जमाने सेह आबि गेल अछि .
लोकनायक जयप्रकाश नारायण जीक जन्म 11 अक्तूबर 1902 ई मे दशहरा के दिन बिहार के सिताबदियारा मे भेल छलन्हि. हिनकर पिता केर नाम हरसू दयाल आओर मां जी केर नाम फूलरानी देवी छलन्हि.
प्राथमिक शिक्षा गाम मे करला केर बाद पटना आबि गेलाह. बीच मे महात्मा गांधी के आग्रह पर स्वतंत्रता आंदोलन मे कूदि पड़लाह. 1920 ई मे हिनकर विआह श्रीमती प्रभावती देवी सं भेलन्हि. जयप्रकाश जी लोक के बीच जेपी के नाम सं मशहूर छलाह. 1922 मे पढ़ाई के लेल विदेश चलि गेलाह फेर 1929 मे लौटलाह. लौटलाह के बाद फेर सं स्वतंत्रता आंदोलन मे लगि गेलाह. कई बेर जेल सेहो गेलाह. 1975 मे इंदिरा गांधी जखन इमरजेंसी लगा देलखिन्ह त जेपी जमि कs ओकर विरोध कएलखिन्ह. हिनका गिरफ्तार सेहो कs लेल गेलन्हि. इंदिरा गांधी के खिलाफ ई संपूर्ण क्रांति के आहवान कएलखिन्ह आओर 1977 मे भेल चुनाव मे हिनकर कोशिश सं एकजुट भs विपक्ष इंदिरा गांधी के कुर्सी सं हटाबय मे कामयाब भेल. इंदिरा गांधी के चुनाव मे हारक मुंह देखय पड़ल. मुदा एकर बाद ओ बेसि दिन तक देश के सेवा नहिं कS पएलाह. 8 अक्तूबर 1979 के पटना मे हिनकर देहांत भs गेलन्हि.

2 टिप्‍पणियां:

  1. सभ पुरान नायककेँ हमरा लोकनि फ्रेम लगा कए टाँगि दैत छियन्हि।

    গজেন্দ্র ঠাকুব

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु