झंझारपुर मे आर्ट गैलरी


मिथिला पेंटिंग के विकास...प्रचार प्रसार के लेल झंझारपुर मे एकटा आर्ट गैलरी बनाबय के प्रयास भs रहल अछि. खबर अछि जे एहि के लेल कला, संस्कृति आओर युवा विभाग जोर- शोर सं जुटल अछि. आर्ट गैलरी के संग एकटा वर्कशाप सेहो बनाबय के विचार अछि. आर्ट गैलरी बनला सं एहि ठामक... स्थानीय कलाकार सभ के बड़ फायदा होएतन्हि. ओ अपन पेंटिंग के प्रदर्शनी लगा सकतिन्ह. कलाकार सभ के एकटा मंच मिलतन्हि... जाहिठाम ओ अपन कला के प्रदर्शन कs सकथिन्ह. मिथिलाक एहि कला केर विकास के लेल देश-दुनिया के कलाकार सभ के संग विचार-विमर्श कs सकथिन्ह. एहि मंच सं हुनका एकटा बाजार सेहो मिलतन्हि. ई मिथिला पेंटिंग के लोकप्रिय बनाबय के दिशा मे एकटा बड़का कदम होएत. देश के सभ बड़का शहर मे आर्ट गैलरी अछि जतय बड़का-बड़का चित्रकार सभ...कलाकार सभ अपन प्रदर्शनी लगाबैत छथिन्ह. एहि ठाम हुनका लोकक पसंद के सेहो जानय के मौका मिलय छन्हि. बाजार सं जुड़य के मौका मिलय छन्हि. कला के प्रेमी लोक सभ सं मिलय के मौका मिलैत अछि.

Comments

  1. जौं ई संभव भ' सकल त' मिथिला के लेल बहुत सौभाग्य के बात हेतैक। बहुत नीक लागल एहि तरह के प्रयास के प्रकाश में आनबा के लेल।

    ReplyDelete
  2. "झंझारपुर में आर्ट गैलरी खुजे वला ऐछ" सुइन कs बहुत प्रसन्नता भेल. अपनेक विचारानुसार ई कला केंद्र क्षेत्रीय कलाकार सब के एकटा मंच उपलब्ध करेतेन. ततबी नै मैथिली पेंटिंग या मधुबनी पेंटिंग के विकास में सेहो एकर अमूल्य योगदान हेते. कियाक ता, हमरा बुझना जाइय जे नवका पीढी में कमे लोक सब के मिथिला पेंटिंग ऐब रहल छैन. तs जे कियो एते विश्व प्रसिद्ध पेंटिंग सिख्वाक लेल इच्छुक हेतैथ से आर्ट गैलरी खुजला सs एकर प्रशिक्षण ला सकेत छैथ. हितेंद्र जी अपनेक सेहो हमर बहुत बहुत धन्यवाद्, जे मैथिली भाषा के लेल एते सार्थक प्रयास क रहल छी. आब अपनेक ब्लॉग सs तते जुडाव भ गेल अछि जे प्रति दिन एक बेर पढ़े छी अन्यथा बुझना जैइये जे किछु छुइट रहल ऐछ. मिथिली और मिथिलांचलक विकास से जुडल बहुत एहेन मुद्दा छै जै पर सहमति बनेवाक और सार्थक प्रयास लेवक आवश्यकता छैक. हमरा दिसs सs अपनेक बहुत बहुत शुभकामना.

    मनोरंजन कुमार झा
    मुख़र्जी नगर
    दिल्ली.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

मजिस्ट्रेट के पिटाई

पूर्णिया मे सुखोई

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

दिल्ली मे मधुश्रावणीक भव्य रंगारंग आयोजन, देखु फोटो

दिन-रात

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

सुशांत झा आ नीलेश दीपक जीक सम्मान