Skip to main content

Kaathak lok

दिल्ली बनल मिथिला... 6 अगस्त के मंडी हाउस के श्रीराम सेंटर मे जे हाल छल ओकरा देखि कहि सकय छी जे ओहि समय दिल्ली मिथिला मे बदलि गेल छल. लागैत छल जेना सभ मैथिल लोकनि एहिठाम आबि गेल छथिन्ह. मुसलाधार पानि होय के बादो श्रीराम सेंटर मे खड़ा होए के जगह नहिं. हमहुं पानि मे भिंगैंत जेना-तेना पहुंचलौं. मुदा हॉल में घुसला के बाद इहो बिसरि गेलहुं जे कपड़ा भींग चुकल अछि. मैथिली नाटक आओर गीत नाद सं पूरा माहौल मे मिथिलाक महक... मिठास घुलि गेल रहय. लगते नहिं छल जे मिथिला के बाहर छी. लागैत छल गामे-घर में कोनो नाटकक आनंद लs रहल छी.
मैथिली भोजपुरी अकादमी के दु दिनक कार्यक्रमक मे पहिल दिन विदेसिया भेल आ दोसर दिन रहल मैथिली... मिथिला केर नाम. सुपरिचित युवा रंगकर्मी प्रकाश झा के निर्देशन मे महेन्द्र मलंगिया जीक 'काठक लोक' क एहन जीवंत मंचन भेल जे सभ दर्शक लोकनि एहि मे रमि गेलाह. लगैत छल जेना पूरा मिथिला एहि ठाम आबि गेल अछि. दर्शकक संग-संग कलाकार लोकनि सेहो खूब आनंद उठएलाह. ई नाटक मिथिलाक चर्चित लोककथा कठरी बाबा के आधार लs क लिखल गेल अछि. एकर भाव मे ई अछि जे सत्य के असत्य सं दबायल नहि जा सकैत अछि... जोर जबरदस्ती सं सत्य के खत्म नहिं कएल जा सकैत अछि... सत्य आखिर सत्ये होएत अछि... आओर देर सबेर ई सामने जरूर आएत ... सत्य के जीत जरूर होएत... आओर असत्य के हार. एहि तथ्य के उजागर करय वाला काठक लोक नाटक में सभस प्रभावी रोल छलैनि दानी बाबू...साधु आओर रीता देवी क. साधु केर भूमिका में मुकेश झा सभस बेसि थपड़ी बटोरलाह. हिनकर अंदाज सभ सं निराला रहल. हिनकर हास्य सं भरल रोल पर दर्शक सभ बेर- बेर थपड़ी बजाबैत रहलथिन्ह. दानी बाबू के रोल में नीलेश दीपक जी आओर रीता देवी के भूमिका में ज्योति वत्स जी प्रभावी रहलाह. एकर अलावा हीरा लाल...दमड़ी कांत आओर सरदार के भूमिका सेहो नीक रहल. निर्देशक काफी कसल छल. नाटक शुरू सं अंत धरि लोक के अपना में बान्हले रहल. दर्शक सभ एकदम सं रमल रहलाह. दर्शक उत्साह सं निर्देशक महोदय आओर अकादमी सं जुड़ल लोक सभ सेहो बड़ उत्साहित छलाह. नाटकक शानदार प्रस्तुति केर बाद गीत नादक कार्यक्रम भेल. एहि मे सुन्दरम ... सुश्री राखी ... सुश्री अंशुमाला आओर कल्पना मिश्रा जी अपन सुन्दर आवाज... मीठ बोल सं दर्शक के झुमय लेल मजबूर कए देलथिन्ह. हम तरुणी पिया बालक पर खूब थपड़ी बाजल. मैथिलीक मिठास सं भरल गीत सुनि मन गदगद भ गेल. एहि तरहक कार्यक्रम बेर- बेर होबाक चाही जाहि सं मिथिला सं बाहर रहय वाला लोक सभ के गाम घर के कमी बेसि नहिं अखरय.


Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...