नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कि अहांक गर्लफ्रेंड अछि ?

अहां कहब कि ई कोन सवाल भेल. मुदा ई आई काल्हि बड़ बैघ सवाल भs गेल अछि. कॉलेज के त गप्प छोड़ु स्कूली विद्यार्थी सभ सेहो अपना मे कहय छथिन्ह कि अहांके गर्ल फ्रेंड आ ब्वॉयफ्रेंड अछि ? अछि त कइटा अछि. जकरा जइटा फ्रेंड ओ ओतेक स्मार्ट. अहां सेहो पूछि सकय छी जे ई सवाल पूछय के अखन कोन समय भs गेल? असल मे आई हमरा एकटा सर्वे पर ध्यान गेल जाहि मे कहल गेल छै जे जेहि लड़का के गर्लफ्रेंड आ जेहि लड़की के ब्वॉयफ्रेंड नहिं अछि ओ हीनता के शिकार भs रहल छथिन्ह. ओ तनाव... डिप्रेशन के शिकार भs रहल छथिन्ह. ओ परीक्षा आ पढ़ाई लिखाई पर ध्यान नहिं दs रहल छथिन्ह. ओना ई सर्वे बड़ छोट स्तर पर कएल गेल छल मुदा ई एकटा तस्वीर त जरूर पेश करय छै. लड़की सभ के कहनाय छनि जे हुनकर क्लास के दोसर लड़की सभ लड़का सभ के संग सिनेमा... शॉपिंग मॉल... पार्क आ दोसर ठाम घुमय जाए छथिन्ह. मस्ती करय छथिन्ह. मुदा हुनका फ्रेंड नहिं भेला के कारण ओ अपन दोस्त सभ के बीच एकसरे महसूस करय छथिन्ह. सभ के अपन अपन गुट बनल छनि . कहिओ पिकनिक पर जाए छथिन्ह त कहिओ कोनो घुमय फिरय के जगह निकलि जाए छथिन्ह.
आब सवाल ई छै जे कि सिर्फ दोस्त... गर्लफ्रेंड आ ब्वॉयफ्रेंड नहिं भेला के असर पढ़ाई पर पड़ि सकय छै ? विद्यार्थी सभ डिप्रेशन के शिकार भs सकय छथिन्ह? ओना ई अगर होएबो करत त ई समस्या बेसि शहरक समस्या अछि... छोट शहर आ गाम घरक विद्यार्थीक ई समस्या नहिं लगैत अछि. शहर मे घर परिवार सं निकलि आब बाजार स्कूल पर सेहो हावी भेल जा रहल अछि. ई सभ बाजारवाद के कारण अछि. शॉपिंग मॉल... पिज्जा हट... मैक डोनल्ड... सभ बाजारवाद के देन अछि. आ टीवी... पेपर... सिनेमा के माध्यम सं... विज्ञापन के माध्यम सं बाजार लोक के दिमाग पर अपन जगह बनौने जा रहल अछि. ब्रांड के मांग भ रहल अछि. एहि मे शहरक युवा वर्ग बाजार सं जल्दी प्रभावित भ रहल छथिन्ह. ओ नबका गजट... एमपी थ्री-फोर प्लेयर... गेम्स... आईपॉड... मोबाइल... डिजिटल कैमरा... के नया -नया मॉडल अपना पास देखय चाहय छथिन्ह. आओर ई सभ अपन संगी पर प्रभाव जमाबय के लेल सभ सं नीक तरीका बनि गेल अछि. स्कूली विद्यार्थी सभ के सेहो नबका -नबका ट्रेंड के फैशन के संग... मोटर साइकिल... कार... कपड़ा- लत्ता...घड़ी... चश्मा... शूज़... मे देखि सकय छी... ई सभ अपन दोस्त के बीच रंग जमाबय... गर्लफ्रेंड... ब्वॉयफ्रेंड के बीच रंग जमाबय के लेल सेहो रहय छै.
एकर एकटा कारण माय- बाप के धिया -पुता पर समय नहिं देनाय सेहो अछि. असल मे आई काल्हि पति-पत्नी दुनु गोटे काज करय छथिन्ह. हुनका पास अपन नुनु के पास रहय के समय नहिं छनि. आ जखन बच्चा किछ कहय छथिन्ह त ओ किछ गिफ्ट लाबय के कहि हुनका चुप करा दैत छथिन्ह. बाद मे ओ नुनु मनमाना फरमाइश करय लागैत छथिन्ह. जकरा सेहो पूरा कs देल जाएत छै. ओ बच्चा मनबढ़ु भ जाए छथिन्ह. एहि सभहक कारणे आई काल्हि कइटा स्कूल मे सेहो मारि पीट सं लs क गोली चलय तक के कांड भs रहल अछि. माय- बाप के अपना नुनु पर समय देबय के जरूरत अछि. बच्चा के अपन दोस्त जकां ट्रीट करिऔ. स्कूल गेलाह... अएला पर पढ़ाई-लिखाई... संगी -साथी... टीचर... बस स्टॉफ के बारे में खोज खबर लेल करिऔ. अपना सं सेहो किछ पढ़ाएल करिऔ. खेलल करिऔ. सभ स पैघ बात अछि बच्चा सभ के नैतिक शिक्षा के पाठ पढ़ाएल करिऔ. आई काल्हि नैतिक शिक्षा के त कोनो ठोरे नहिं देखैत छिएक. नैतिक शिक्षाक कमी सं आई -काल्हि के बच्चा सभ पैघ लोक के आदर करनाय सेहो भूलि गेलाह अछि. बच्चा सभ के पाई के महत्व सेहो बतबिऔ. हर फरमाइश के पूरा कs मन नहिं बढबिऔ. मन बढ़ला पर आगां जाक अहिं के भुगतै पड़त.
बच्चा अगर तनाव..डिप्रेशन के शिकार भs रहल अछि त अहां ओकर दोस्त बनिऔ. ओकरा संग अहां घुमिऔ. दोस्तक कमी महसूस नहि होबय दिऔ. हुनका बतबिऔ जे असल मे ओहि लड़का -लड़की के फ्रेंड छै ओ बाहरी चीज सं प्रभावित भs क छै. विद्यार्थी के काज पढ़य लिखय के अछि. आ अगर हुनकर प्रदर्शन नीक रहतन्हि तं ओ लड़का---लड़की कि पूरा स्कूल हुनकर संगी बनि जएतन्हि. सभ हुनका सं दोस्ती करय के लेल बेचैन रहतन्हि. त हुनका डांटि-डपैट नहिं प्यार सं... प्रेम सं समझा...पढ़ाई लिखाई पर ध्यान देबय लेल कहिऔं. जे नीक नंबर लएथिन्ह त जे आई कन्नी काटय छथिन्ह ओ काल्हि दोस्ती के लेल आसपास मंडरैथिन्ह. तैं चिंता नहिं करु मस्त रहुं.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु