Skip to main content

कि अहांक गर्लफ्रेंड अछि ?

अहां कहब कि ई कोन सवाल भेल. मुदा ई आई काल्हि बड़ बैघ सवाल भs गेल अछि. कॉलेज के त गप्प छोड़ु स्कूली विद्यार्थी सभ सेहो अपना मे कहय छथिन्ह कि अहांके गर्ल फ्रेंड आ ब्वॉयफ्रेंड अछि ? अछि त कइटा अछि. जकरा जइटा फ्रेंड ओ ओतेक स्मार्ट. अहां सेहो पूछि सकय छी जे ई सवाल पूछय के अखन कोन समय भs गेल? असल मे आई हमरा एकटा सर्वे पर ध्यान गेल जाहि मे कहल गेल छै जे जेहि लड़का के गर्लफ्रेंड आ जेहि लड़की के ब्वॉयफ्रेंड नहिं अछि ओ हीनता के शिकार भs रहल छथिन्ह. ओ तनाव... डिप्रेशन के शिकार भs रहल छथिन्ह. ओ परीक्षा आ पढ़ाई लिखाई पर ध्यान नहिं दs रहल छथिन्ह. ओना ई सर्वे बड़ छोट स्तर पर कएल गेल छल मुदा ई एकटा तस्वीर त जरूर पेश करय छै. लड़की सभ के कहनाय छनि जे हुनकर क्लास के दोसर लड़की सभ लड़का सभ के संग सिनेमा... शॉपिंग मॉल... पार्क आ दोसर ठाम घुमय जाए छथिन्ह. मस्ती करय छथिन्ह. मुदा हुनका फ्रेंड नहिं भेला के कारण ओ अपन दोस्त सभ के बीच एकसरे महसूस करय छथिन्ह. सभ के अपन अपन गुट बनल छनि . कहिओ पिकनिक पर जाए छथिन्ह त कहिओ कोनो घुमय फिरय के जगह निकलि जाए छथिन्ह.
आब सवाल ई छै जे कि सिर्फ दोस्त... गर्लफ्रेंड आ ब्वॉयफ्रेंड नहिं भेला के असर पढ़ाई पर पड़ि सकय छै ? विद्यार्थी सभ डिप्रेशन के शिकार भs सकय छथिन्ह? ओना ई अगर होएबो करत त ई समस्या बेसि शहरक समस्या अछि... छोट शहर आ गाम घरक विद्यार्थीक ई समस्या नहिं लगैत अछि. शहर मे घर परिवार सं निकलि आब बाजार स्कूल पर सेहो हावी भेल जा रहल अछि. ई सभ बाजारवाद के कारण अछि. शॉपिंग मॉल... पिज्जा हट... मैक डोनल्ड... सभ बाजारवाद के देन अछि. आ टीवी... पेपर... सिनेमा के माध्यम सं... विज्ञापन के माध्यम सं बाजार लोक के दिमाग पर अपन जगह बनौने जा रहल अछि. ब्रांड के मांग भ रहल अछि. एहि मे शहरक युवा वर्ग बाजार सं जल्दी प्रभावित भ रहल छथिन्ह. ओ नबका गजट... एमपी थ्री-फोर प्लेयर... गेम्स... आईपॉड... मोबाइल... डिजिटल कैमरा... के नया -नया मॉडल अपना पास देखय चाहय छथिन्ह. आओर ई सभ अपन संगी पर प्रभाव जमाबय के लेल सभ सं नीक तरीका बनि गेल अछि. स्कूली विद्यार्थी सभ के सेहो नबका -नबका ट्रेंड के फैशन के संग... मोटर साइकिल... कार... कपड़ा- लत्ता...घड़ी... चश्मा... शूज़... मे देखि सकय छी... ई सभ अपन दोस्त के बीच रंग जमाबय... गर्लफ्रेंड... ब्वॉयफ्रेंड के बीच रंग जमाबय के लेल सेहो रहय छै.
एकर एकटा कारण माय- बाप के धिया -पुता पर समय नहिं देनाय सेहो अछि. असल मे आई काल्हि पति-पत्नी दुनु गोटे काज करय छथिन्ह. हुनका पास अपन नुनु के पास रहय के समय नहिं छनि. आ जखन बच्चा किछ कहय छथिन्ह त ओ किछ गिफ्ट लाबय के कहि हुनका चुप करा दैत छथिन्ह. बाद मे ओ नुनु मनमाना फरमाइश करय लागैत छथिन्ह. जकरा सेहो पूरा कs देल जाएत छै. ओ बच्चा मनबढ़ु भ जाए छथिन्ह. एहि सभहक कारणे आई काल्हि कइटा स्कूल मे सेहो मारि पीट सं लs क गोली चलय तक के कांड भs रहल अछि. माय- बाप के अपना नुनु पर समय देबय के जरूरत अछि. बच्चा के अपन दोस्त जकां ट्रीट करिऔ. स्कूल गेलाह... अएला पर पढ़ाई-लिखाई... संगी -साथी... टीचर... बस स्टॉफ के बारे में खोज खबर लेल करिऔ. अपना सं सेहो किछ पढ़ाएल करिऔ. खेलल करिऔ. सभ स पैघ बात अछि बच्चा सभ के नैतिक शिक्षा के पाठ पढ़ाएल करिऔ. आई काल्हि नैतिक शिक्षा के त कोनो ठोरे नहिं देखैत छिएक. नैतिक शिक्षाक कमी सं आई -काल्हि के बच्चा सभ पैघ लोक के आदर करनाय सेहो भूलि गेलाह अछि. बच्चा सभ के पाई के महत्व सेहो बतबिऔ. हर फरमाइश के पूरा कs मन नहिं बढबिऔ. मन बढ़ला पर आगां जाक अहिं के भुगतै पड़त.
बच्चा अगर तनाव..डिप्रेशन के शिकार भs रहल अछि त अहां ओकर दोस्त बनिऔ. ओकरा संग अहां घुमिऔ. दोस्तक कमी महसूस नहि होबय दिऔ. हुनका बतबिऔ जे असल मे ओहि लड़का -लड़की के फ्रेंड छै ओ बाहरी चीज सं प्रभावित भs क छै. विद्यार्थी के काज पढ़य लिखय के अछि. आ अगर हुनकर प्रदर्शन नीक रहतन्हि तं ओ लड़का---लड़की कि पूरा स्कूल हुनकर संगी बनि जएतन्हि. सभ हुनका सं दोस्ती करय के लेल बेचैन रहतन्हि. त हुनका डांटि-डपैट नहिं प्यार सं... प्रेम सं समझा...पढ़ाई लिखाई पर ध्यान देबय लेल कहिऔं. जे नीक नंबर लएथिन्ह त जे आई कन्नी काटय छथिन्ह ओ काल्हि दोस्ती के लेल आसपास मंडरैथिन्ह. तैं चिंता नहिं करु मस्त रहुं.

Comments

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर