बिहार मे बाढ़िक स्थिति खराब


बिहार मे बाढ़ि सं लोकक हालत खराब अछि. गंगा... बागमती... कोसी... कमला बलान... गंडक... बूढ़ी गंडक सभ नदीकेर पानि खतरा के निशान सं ऊपर बहि रहल अछि. दरभंगा... मधुबनी... सीतामढ़ी... समस्तीपुर... सहरसा... सुपौल... भागलपुर... मधेपुरा... खगड़िया आओर पूर्णिया के कइटा गाम पानि मे डूबि गेल अछि. कई इलाका के सम्पर्क सेहो कटि गेल अछि. सड़क... रेल के संग टेलीफोन संपर्क सेहो कटि गेल अछि. बाढ़ि सं करीब अस्सी लाख लोक प्रभावित छथिन्ह. कई ठाम बांध टूटि गेल अछि s कतेक ठाम दरार आबि गेल अछि. सरकार तरफ सं राहत के प्रयास कएल जा रहल अछि. कई ठाम हेलीकॉप्टर सं पैकेट... आओर खाई पिबय के सामान सेहो गिलाएल गेल अछि. दरभंगा मे कुशेश्वरस्थान के हालत किछ बेसि खराब अछि. मधेपुरा आओऱ सीतामढ़ी मे सेहो राहत के लेल सरकार कदम उठा रहल अछि . मुदा बाढ़ि मे फंसल लोक तक सामान नीक सं नहिं पहुंच पाबि रहल अछि. लोक सभ ऊंच जगह... बांध... सड़क पर शरण लेने छथिन्ह.

खनाय
पिबय के सामान के संग मटिया तेल के सेहो दिक्कत गेल अछि. एकरे संग दिक्कत ईहो छै जे बरसात में सांप गोजर सेहो खूब निकलय छै. चारू कात पानिए पानि दिखाय छै. पूर्णिया... कटिहार... सुपौल के कइटा गाम मे पानि घुसि गेल . मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कइटा इलाका मे हवाई सर्वे कएलथिन्ह . अगर स्थिति मे सुधार नहिं आएल सेना केर मदद सेहो लेल जाएत.

Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

कि इहे सभागाछी अछि ?

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप

ट्विटर स्पेस: वर्तमान राजनीतिक अवस्था मे मिथिला के जनजीवन आ पंचायती राज व्यवस्था पर भेल चर्चा

अलग मिथिला राज्य केर मांग भेल तेज, देखु जंतर-मंतर प्रदर्शन केर फोटो