नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार मे बाढ़िक स्थिति खराब


बिहार मे बाढ़ि सं लोकक हालत खराब अछि. गंगा... बागमती... कोसी... कमला बलान... गंडक... बूढ़ी गंडक सभ नदीकेर पानि खतरा के निशान सं ऊपर बहि रहल अछि. दरभंगा... मधुबनी... सीतामढ़ी... समस्तीपुर... सहरसा... सुपौल... भागलपुर... मधेपुरा... खगड़िया आओर पूर्णिया के कइटा गाम पानि मे डूबि गेल अछि. कई इलाका के सम्पर्क सेहो कटि गेल अछि. सड़क... रेल के संग टेलीफोन संपर्क सेहो कटि गेल अछि. बाढ़ि सं करीब अस्सी लाख लोक प्रभावित छथिन्ह. कई ठाम बांध टूटि गेल अछि s कतेक ठाम दरार आबि गेल अछि. सरकार तरफ सं राहत के प्रयास कएल जा रहल अछि. कई ठाम हेलीकॉप्टर सं पैकेट... आओर खाई पिबय के सामान सेहो गिलाएल गेल अछि. दरभंगा मे कुशेश्वरस्थान के हालत किछ बेसि खराब अछि. मधेपुरा आओऱ सीतामढ़ी मे सेहो राहत के लेल सरकार कदम उठा रहल अछि . मुदा बाढ़ि मे फंसल लोक तक सामान नीक सं नहिं पहुंच पाबि रहल अछि. लोक सभ ऊंच जगह... बांध... सड़क पर शरण लेने छथिन्ह.

खनाय
पिबय के सामान के संग मटिया तेल के सेहो दिक्कत गेल अछि. एकरे संग दिक्कत ईहो छै जे बरसात में सांप गोजर सेहो खूब निकलय छै. चारू कात पानिए पानि दिखाय छै. पूर्णिया... कटिहार... सुपौल के कइटा गाम मे पानि घुसि गेल . मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कइटा इलाका मे हवाई सर्वे कएलथिन्ह . अगर स्थिति मे सुधार नहिं आएल सेना केर मदद सेहो लेल जाएत.

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु