नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मांगब बिजली मिलत गोली

बिजली मांगब त मौत मिलत. नहिं मिलय अ त चुप रहुं... अन्हार में रहुं... दिया डिबरी जलाकए रहुं मुदा किछु बोलु नहिं... बोलब त देखिए सकय छी कि भागलपुर के कहलगांव में कि भेल अ. बिहार में आई- काल्हि बिजली के स्थिति एकदम खराब अछि. पटना के छोड़ि दोसर इलाका में दु ओ घंटा बिजली मुश्किल सं मिलय छै. बिजली देवता दिन में कखनो एक दु बेर सिर्फ दर्शन देबय लेल आबय छथिन्ह. आ दर्शन दए फेर तुरंते चलि जाय छथिन्ह. एहि सं खिसिया क लोक सभ जखन बिजली विभाग के खिलाफ सड़क पर उतरलाह त पुलिस के नीक नहिं लागल. डंडा बरसायल गेल...गोली चलायल गेल... ओना पुलिस- प्रशासन के अधिकारी के सस्पेंड क देल गेल अछि. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जांच के आदेश दए देलखिन्ह अ. मुदा सभसं बड़का सवाल ई अछि कि एहि सं बिजली देवता अएताह कि... नहिं.
कहलगांव में पहिने त शुक्र दिन कई ठाम जाम... धरना प्रदर्शन भेल. लोक सभ तोड़ फोड़ करय लगलाह. पुलिस के सेहो मजबूरी रहय छै कानून व्यवस्था बनाबय के. मुदा एक बेर लोक जखन सड़क पर झंडा- डंडा लS क उतरय छथि त ओ दोसर के परेशानी बिसरि जाय छथिन्ह. अस्पताल में तोड़ फोड़ कएल गेल... आगि लगा देल गेल. आखिर ई सभ किएक. आब अस्पताल में आगि लगा देलिअई अ... इलाज कSत करायब. मानि लिय अहां कतहुं इलाज करबा लेब... गरीब लोक कSत जयताह. कोनो छोट पैघ बात पर रास्ता जाम कए दैत छिअई... गाड़ी घोड़ा नहिं चलय दैत छिअई... सोचय छिअई जे बीमार छथिन्ह... जरूरी काज के लेल जा रहल छथिन्ह... ट्रेन... बस पकड़य जा रहल छथिन्ह... इंटरव्यू के लेल जा रहल छथिन्ह हुनकर कि हाल होयत छन्हि. हुनका जगह पर अपना के धS क देखिऔ. मुदा अहां के दोसर से कि अहां त अपन रोटी सेंकय पर लागल रहय छी.
हम ई मानय छी कि मिथिले नहिं पूरा बिहार में बिजली के स्थिति ठीन नहिं अछि. मुदा एकर ई समाधान नहिं अछि. एक त बिहार में एतेक बिजली नहिं बनय छै जे चौबीसों घंटा बिजली रहय. दोसर केंद्र सरकार बिजली के दाम सेहो बढ़ा देलकय अछि. केन्द्र सं सेहो बिहार के कम बिजली देल जा रहल अछि. आओर अखन जे नीतीश सरकार बनल अछि ओ जे बिजली कारखाना लगाबय के कोशिश कए रहल छथिन्ह ओकर उत्पादन... ओहि में बिजली बनय के काज त दु-चारि साल बादे न होयत. एकर सारा दोष नीतीश पर नहिं देल जा सकय अ. हुनका सं पहिने जे सरकार छल ओ अगर किछ कएने रहैत त आई ई स्थिति नहिं रहैत. प्यास लगला पर कुआं नहिं खोदि सकय छी नहिं एकरा उपाय त पहिने से होबाक चाहि छल कि नहिं.
कांटी आओर बरौनी के हालत कि नीतीश कुमार खराब कएने छलाह... ई त पहिने से कबाड़ जका बनि गेल छल जकरा फेर सं ठीक कएल जा रहल अछि. त जानि लिअ पहिले के सरकार एकर पहिने सं कोनो उपाय नहिं कएने छल जे आगा जाS क बिहार अन्हार में डूबि जायत त ओहि सं कोना निकलल जायत. त अखन केतबो किछ करब बिजली के स्थिति सुधरय में टाइम लागत.
दरभंगा मधुबनी नहिं पुरा मिथिलांचल में बिजली नहिं के बराबर रहय अछि. एहि के लेल अपन अपन प्रतिनिधि जिनका अहां विधानसभा आ लोक सभा में जिता कए भेजने छिअई हुनका मार्फत सं आवाज उठाउ.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु