Skip to main content

टीवी, एफएम पर मैथिली

एहि बेर दरभंगा राजनगर यात्रा में सबसे सुखद बात ई रहल जे नेपाल के सीमावर्ती इलाका में छ टा () एफएम चैनल सुनय लेल मिलय...ओहो मैथिली में...एतेक खुशी भेल जे कहि नहिं सकय छी...रेडियो जानकी...जनकपुर एफएम...रेडियो जनकपुर...मिथिला एफएम...एफएम टुडे...जलेश्वर एफएम लोकक बीच धमाल मचौने अछि... जनकपुर, जलेश्वर स एकर प्रसारण होयत अछि...दरभंगा स जयनगर...सीतामढ़ी, बैरगनिया...वीरगंज...एम्हर सहरसा निर्मली तक सभतर हर दलान ...दोकान...घर में एफएम रेडियो के क्रेज छा गेल अछि...गीत संगीत... नाटिका... चर्चा... फोन ईन कार्यक्रम स लSक विज्ञापन तक सभ किछु मैथिली में... हम त दु तीन दिन तक खुशी स बौराइल रहलहुं... दिन- राति बस एफ एम सुनैत छलहुं... एम्हर अपना इलाका में एफएम रेडियो के बिक्री सेहो बड़ बढ़ि गेल अछि...सय...डेढ़ सय वाला रेडियो खुब बिक रहल अछि...एकरा प्रचार में एफएम वाला मोबाइल फोन सेहो सहयोग द रहल अछि...
गीत-नाद त रमनगर रहबे करय अछि ...बीच बीच मे चुटकि.... चुटकुला सब लोक के गुदगुदयने रहैत अछि ... अपन मिथिलाक जे गप्पक रंग छै... एक बेर फेर ऊपर भेल अछि... मैथिली के तरफ लोकक रुझान बढ़स अछि... लोकके रोजगार के मौका सेहो मिलय लागल अई...लेकिन सभस बड़का दुखक बात ई एई जे एहि में एकोटा मैथिली एफएम स्टेशन बिहारक...मिथिला में नई अछि...सभक प्रसारण नेपाल के जनकपुर या जलेश्वर स भ रहल अछि... मिथिलांचल के राजधानी होय के बात दरभंगा करय अ मुदा एफएम के मामला में ओ नेपाल स पिछड़ि गेल... एहि के लेल हम मैथिल सेहो कम जिम्मेवार नहिं छी...हम सभ मैथिली में बातो टा करैत शरमाइत छी...ऑर्कुटे पर अपन इलाका के कइटा लोकके मैथिली में स्क्रैप करय के कोशिश कएलहुं...मुदा ओ सभ मैथिली मे करय स मना कए देलाह...नेपालक लोक स सीख लए हमरा सभके सेहो आगा बढ़य पड़त मिथिलांचल के दरभंगा...मधुबनी स सेहो शुरू करय के सोचय पड़त...दरभंगा रेडियो स्टेशन स सांझ में मैथिली पर कार्यक्रम त आवय अ ओ मुदा एफएम चैनल के तुलना में नीरस रहय अ...ओहि में काफी सुधारक जरूरत छै...
ओना टीवी पर मैथिली कार्यक्रम के बात होय त एकर श्रेय सहारा समय बिहार-झारखंड चैनल के मिलत...सहारा समय बिहार झारखंड चैनल के प्रमुख छथिन्ह श्री संजय मिश्रजी हुनकर अथक प्रयास स सहारा समय चैनल पर आधा घंटा के कार्यक्रम समय मिथिलांचल के नाम से शुरू भेल अछि...संजयजी खुद मिथिलांचल स छथिन्ह एहि लेल हुनकर मार्गदर्शन में ई कार्यक्रम बढ़िया भ रहल अछि...एहि प्रोग्राम के एंकर छैथि श्री अजय झा ...अजयजी खुद शुरू स अंत तक लालग रहय छैथि...दरभंगा...मधुबनी,झंझारपुर, सहरसा, पूर्णिया, सीतामढ़ी और समस्तीपुर के रिपोर्टर स बात क स्टोरी तय करैत छैथि...रवि के मिथिलांचल में लोक सभ के ई कार्यक्रम के इंतजार रहैत छैन...मैथिल लोकक बीत ई काफी लोकप्रिय भ गेल अछि... दरभंगा...मधुबनी यात्रा के दौरान हमरा ई कार्यक्रम के बारे में लोक सभ स बात भेल...लोक सभ चाहैत छथिन्ह जे मैथिली मे एहि तरहक आओर कार्यक्रम बनय के जरूरत छै..
एम्हर एकटा आओर बात भेल अछि... नेपाल वन टीवी चैनल पर सेहो मैथिली में प्रसारण शुरू भेल अ...ई सांढ में भारतक समय अनुसार पौने आठ बजय आओर नेपालक समय मुताबिक आठ बजे स शुऱू होयत अछि...मैथिली में समाचार के साथ रोज चर्चा के कार्यक्रम प्रसारित होयत अछि... एहि में प्रतिदिन कोनो खास मुद्दा पर चर्चा कएल जाइत अछि जाहि में दर्शक के सेहो फोन पर सवाल पूछवाक आ अपन राय देबाक मौका मिलैत अछि...फोन इन चर्चा कार्यक्रम के बीच में मैथिलीत गीत नादसेहो देखबाक लेल निलय अई... आई स पहिने जे मैथिली गाना सिर्फ सुनय छलहुं आब देखबाक लेल सेहो मिलय अ...एहि के गेल आंखो देखी के संपादक नलिनी सिंह जी धन्यवादक पात्र छथिन्ह...नेपाल वन चैनल हुनके छैन आओर एहिकाजक लेल हुनका जतेक धन्यवाद देल जाय वो कम होयत...



Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...