विदेह मैथिली नाट्य उत्सव २०१२- दोसर दिन ( (२९ जनवरी २०१२)

विदेह मैथिली नाट्य उत्सव २०१२- दोसर दिन ( (२९ जनवरी २०१२)
--नाटक, गीत, संगीत, नृत्य, मूर्तिकला, शिल्प आ चित्रकला क्षेत्रमे विदेह सम्मान २०१२ प्रदान कएल गेल
--कविता गोष्ठीक आयोजन भेल
-समानान्तर मैथिली नाटक आ फिल्मपर परिचर्चा सम्पन्न
-जगदीश प्रसाद मण्डल लिखित नाटक "वीरांगना" (निर्देशक बेचन
ठाकुर)क मंचन सात बजे साँझसँ शुरू भऽ गेल अछि
-काल्हि बेचन ठाकुर लिखित आ निर्देशित नाटक "विश्वासघात" मंचित भेल। ६ घण्टा धरि चल ई नाटक ९ बजे रातिमे (२८ जनवरी २०१२) खतम भेल रहए।
-९ बजे राति सँ एक बजे राति धरि गजेन्द्र ठाकुर लिखित जादू वास्तविकतावादी नाटक "उल्कामुख"(निर्देशक बेचन ठाकुर)क मंचन  (२८ जनवरी २०१२) भेल छल।
-मैथिलीमे समानान्तर रंगमंचक आरम्भ मानल जा रहल अछि। भरत नाट्यशास्त्र आधारित एस.एस.जानकीक ड्राइंग बनाओल रंगमंचपर ई नाटक लोक तन्मयतासँ देखलनि। "स्लैपस्टिक ह्यूमर" बला सस्ता लोकप्रियता बला नाटक सभक अन्तक शंखनादक रूपमे ऐ नाट्य उत्सवकेँ देकल जा रहल अछि, जइमे ने भगताक भ्रष्ट-हिन्दीक प्रयोग भेल छल आ ने जातिवादी वाक्य संरचना कतौ देखबामे आओल, ई दुनू विशेषता हिन्दीसँ मैथिलीमे अनूदित नाटक, आ मैथिली उपन्यास-कथाक नाट्य रूपान्तरण धरिमे जबर्दस्ती घोसियाओल जाइत रहल छल। जखनकि मूल हिन्दीमे ऐ तरहक जाति आधारित वाक्य संरचना नै छलै, तइयो ब्राह्मणवादी जातिवादी रंगमंच ऐ तरहक रूपान्तरण तथाकथित नीच जाइतकेँ अपमानित करबा लेल आ अपन अहमक तुष्टि लेल करैत रहल, आ तेँ सर्वहारा वर्ग अपनाकेँ ऐ सँ दूर रखने रहल।

-पूर्ण रूपसँ महिला कलाकार लऽ कऽ बेचनजी मैथिली नाटकक मंचन करबेलन्हि, जे एकटा कीर्तिमान अछि।
-दुनू दिन -कार्यक्रम शुरू हेबासँ पहिनहिये आयोजन स्थल लोकसँ खचाखच भरि गेल छल। निर्धारित ११ पूर्वाह्णसँ प्रारम्भ भऽ कऽ राति एक बजे धरि पहिल दिन कार्यक्रम भेल, आइयो निर्धारित ११ पूर्वाह्णसँ प्रारम्भ भऽ कऽ आब अन्तिम सत्रमे जगदीश प्रसाद मण्डल लिखित नाटक "वीरांगना" (निर्देशक बेचन ठाकुर)क मंचन सात बजे साँझसँ शुरू भऽ गेल अछि
-स्थान-जे.एम.एस. कोचिंग सेन्टर, चनौरागंज, झंझारपुर
--२०म विदेह मैथिली प्रदर्शनी सेहो ऐ उत्सवक अन्तर्गत आयोजित भऽ रहल अछि, मैथिली पोथी देखबा आ किनबा लेल भारी भीड़।
--मैथिली रंगमंच- भरत नाट्यशास्त्रक अनुसार- ई अछि ऐ नाट्य उत्सवक थीम
-नाटक, गीत, संगीत, नृत्य, मूर्तिकला, शिल्प आ चित्रकला क्षेत्रमे विदेह सम्मान २०१२
अभि‍नय- मुख्य अभिनय ,

सुश्री शि‍ल्‍पी कुमारी, उम्र- 17 पि‍ता श्री लक्ष्‍मण झा

श्री शोभा कान्‍त महतो, उम्र- 15 पि‍ता- श्री रामअवतार महतो,

हास्‍य-अभिनय

सुश्री प्रि‍यंका कुमारी, उम्र- 16, पि‍ता- श्री वैद्यनाथ साह

श्री दुर्गानंद ठाकुर, उम्र- 23, पि‍ता- स्‍व. भरत ठाकुर

नृत्‍य

सुश्री सुलेखा कुमारी, उम्र- 16, पि‍ता- श्री हरेराम यादव

श्री अमीत रंजन, उम्र- 18, पि‍ता- नागेश्वर कामत

चि‍त्रकला

श्री पनकलाल मण्डल, उमेर- ३५, पिता- स्व. सुन्दर मण्डल, गाम छजना

श्री रमेश कुमार भारती, उम्र- 23, पि‍ता- श्री मोती मण्‍डल

संगीत (हारमोनियम)

श्री परमानन्‍द ठाकुर, उम्र- 30, पि‍ता- श्री नथुनी ठाकुर

संगीत (ढोलक)

श्री बुलन राउत, उम्र- 45, पि‍ता- स्‍व. चि‍ल्‍टू राउत

संगीत (रसनचौकी)

श्री बहादुर राम, उम्र- 55, पि‍ता- स्‍व. सरजुग राम

शिल्पी-वस्तुकला

श्री जगदीश मल्लिक,५० गाम- चनौरागंज

मूर्ति-मृत्तिका कला

श्री यदुनंदन पंडि‍त, उम्र- 45, पि‍ता- अशर्फी पंडि‍त

काष्ठ-कला

श्री झमेली मुखिया,पिता स्व. मूंगालाल मुखिया, ५५, गाम- छजना

किसानी-आत्मनिर्भर संस्कृति

श्री लछमी दास, उमेर- ५०, पिता स्व. श्री फणी दास, गाम वेरमा

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

हमर विआह-11

हमर विआह-9

मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल मे श्लोका (एम टीवी 'हसल' फेम) केर रैप शो

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

नैका बंजारा

हमर विआह -7

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित