नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

ट्विटर स्पेस पर 20 सितंबर केर मिथिला राज्य निर्माण यात्रा पर चर्चा राखल गेल छल। परिचर्चा के शुरुआत सभदिन जकां नित्यानंद झा जी करलखिन्ह। बाद मे नितेश झा निक्की जी सेहो जुड़ि गेलखिन्ह। परिचर्चा मे मिथिला स्टूडेंट यूनियन के युवा नेता अनूप मैथिल जी मिथिला राज्य निर्माण यात्रा पर विस्तार सं अपन बात राखलखिन्ह। अनूप जी कहलखिन्ह जे हम सभ गाम-गाम जा मिथिला के आम लोक के जगाबय के काज करब।

एहि क्रम मे हम सभ छह मास मे 10 जिला के 100 प्रखंड के 500 पंचायत आ एक हजार गाम के यात्रा करब। हमर कोशिश हर गाम के हर घर तक पहुंचय के रहत, चाहे एहि लेल भने दिन भरि समय लागि जाए। हमर कोशिश लोक के जोड़य के अछि एहि लेल बेसि समय लागत तकर चिंता नहि। हमर उद्देश्य सिर्फ गाम के यात्रा करनाए नहि बल्कि सभ सं मिल-जुलि हुनकर बात सुननाए रहत।

अनूप जी कहलखिन्ह एहि लेल हमर लक्ष्य बेसि गाम के नहि, बेसि लोक सं मिलनाय अछि। हमरा सभ के कोनो धरफरी नहि अछि। खाली जनाए उद्देश्य नहि अछि। हमर सभक मकसद हुनकर समस्या के खत्म करनाए के अछि। अनूप जी इहो कहलखिन्ह जे यात्रा लेल रोडमैप बनाएल जा रहल अछि। घोड़ा-गाड़ी के संग दोसर संसाधन के जुटाबय के कोशिश भs रहल अछि। ओ यात्रा के दौरान होए वाला खर्च सं जुड़ल फंड पर सेहो प्रकाश देलखिन्ह। अनूप जीक साफ-साफ कहनाए छलनि जे फंड केर कोनो समस्या नहि छै। कार्यक्रम भेलाह पर लोक सभ ओतेक जुटा दए छथिन्ह। क्राउड फंडिंग आ चंदा सं ओकर जुगाड़ भs जाएत छै।

पदयात्रा के प्रचार-प्रसार के मुद्दा पर अनूप मैथिल जीक साफ कहनाय छलन्हि जे अपन सोशल मीडिया टीम काफी मजबूत अछि आ हमर सभक पहुंच काफी अछि। एहि पर हमरा तरफ सं एकटा सुझाव देल गेल जे सोशल मीडिया पर सिर्फ अपन लोक सं संपर्क नहि होए। हमर सभक कोशिश जे अपना सं नहि जुड़ल छथिन्ह हुनका पास पहुंचय के होबाक चाही।


संगहि संग एहि पदयात्रा काल मे लोकल पत्रकार सभ के इनवाइट कs रोज कार्यक्रम सं संबंधित फोटो के संग एकटा प्रेस रिलीज भेज देल जाए। एहि सं लोकक अखबार सभ मे नीक कवरेज भेटत। एहि पर अनूप जीक कहनाए छलन्हि जे लोकल पत्रकार सभ के हमरा सभ के नीक समर्थन मिल रहल अछि आ कवरेज मिल रहल अछि।

अनूप जी अपन संबोधन के क्रम मे इहो कहलखिन्ह जे मिथिला राज्य आंदोलन के कमजोर कर लेल बिहार सरकार अपन मिशन पर लाईग गेल। बिहार के एकमात्र संवैधानिक मान्यता प्राप्त भाषा मैथिली के कोनो प्रमोशन नही मुदा मैथिली के बोली अंगिका-बज्जिका के अलग भाषा कही मैथिली के कमजोर कर के प्रयास जरूर भs रहल अछि।

एहि पर प्रवीण नारायण चौधरी जी कहलखिन्ह जे हम सभ सात करोड़ सं बेसि मैथिल छी मुदा जनगणना में मात्र एक करोड़ 12 लाख मैथिल छी। हमरा सभ के आगां होए वाला जनगणना में बेसि सं बेसि लोक के भाषा कॉलम मे मैथिली दर्ज कराबए के अछि। संगहि संग हमरा सभ के अंगिका- बज्जिका आ दोसर भाषा के लड़ाई मे नहि उलझै के अछि। हमरा सभ भाषा के संग सहअस्तित्व के साथ आगां बढ़ए के अछि।

मुकेश झा जी सेहो कहलखिन्ह जे जिओ आ दोसर दूरसंचार कंपनी के ओर सं मोबाइल पर भोजपुरी मे संदेश देल जाएत अछि। एहि पर कंपनी सं जखन पूछल गेल तं कहलक जे राज्य सरकार के तरफ सं कंपनी सभ के मैथिलीक जगह भोजपुरी मे संदेश देबय लेल कहल गेल अछि।


चर्चा के क्रम मे इहो बताएग गेल जे बेसि उम्मीद अछि जे यात्रा मधुबनी जिलाक फूलहर सं शुरू होएत। फूलहर में माता जानकी जीक पहिल मुलाकात श्री राम जी सं भेल छलनि। अनूप जी इहो बतौलखिन्ह जे यात्रा मे हमर फोकस दरभंगा- मधुबनी के संग सहरसा, सुपौल, मधेपुरा, पूर्णिया आ कोसी के इलाका पर रहत।

आजुक परिचर्चा में नित्यानंद जी, नितेश झा निक्की जी, प्रवीण नाराणय चौधरी जी, माला झा जी, पंकज प्रसून जी, कमलेश जी, पवन चौधरी जी, सुधीर यादव जी आ प्रमोद झा जी संग कइटा लोक अपन विचार राखलखिन्ह।

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु