सुशांत झा आ नीलेश दीपक जीक सम्मान

पटनाक पुस्तक मेलामे पुरस्कार हेतु चयनित मिथिलाकें दू गोट युवा रत्न १. पत्रकार श्री सुशांत झा (निवासी-खोजपुर,मधुबनी) आ २. रंगकर्मी श्री नीलेश दीपक (निवासी- मौआही, मधुबनी) जेकि अपन अपन कर्मक्षेत्रमे राष्ट्रीय स्तर पर पहिचान बनेबामे दिन रातिकें संघर्षोपरांत चयन समितिकें बरख २०१४कें चयनार्थ प्रक्रियामे स्थान बनेबामे सबस’ आगाँ रहला अछि।

सरस्वतीक एहेन कृपा जे अग्रज तुल्य श्री सुशांत झाकें सानिध्यमे
रहबाक अवसर हाइ स्कूलक समयमे भेटल (राजदेव जनता उच्च विद्यालय, नवनगर) हिनक तीक्ष्ण बुद्धि आ दूरदर्शिता प्रारम्भे स’ रहल अछि जेकि वर्तमानमे हिनक पत्रकारितामे दृष्टिगोचर भ’ रहल अछि।

स्कूलक प्रत्येक क्रियाकलापमे एक सीनियर के नाते हमरा लोकनिकें अपन सफल आ अनुशासित नेतृत्व प्रदान करैत रहलाह। हिनक गंभीरता आ अनुशासन छात्र स’ ल’ क’ अध्यापक धरि चर्चाकें विषय रहल अछि आ हमरा लोकनिक वास्ते अनुकरणीय। जखन मुखपोथी स’ ज्ञात भेल जे हिनक चयन "सुरेन्द्र प्रताप सिंह स्मृति पुरस्कार-२०१४" हेतु भेल बुझू मोन आह्लादित भ’ गेल आ अंतर्मनक कलम शुभकामना देबा लेल बाध्य क’ देलक।

दोसर हरखक गप्प छल परमप्रिय मित्र श्री नीलेश दीपक जीकें "भिखारी ठाकुर रंगकर्मी पुरस्कार-२०१४" केर घोषणा। हिनक आ हमर पहिल परिचय भेल छल मधुबनी स्थित जे. एन. कॉलेजक गैलरी (कॉमन हॉल) जाहिमे हिनक एकल अभिनय “संवदिया” केर प्रस्तुति देखबाक अवसर आ कार्यक्रमोपरांत नव परिचय जेकि शनैः-शनैः मित्रतामे परिवर्तित होमय लागल आ संजोग एहेन जे हमरा लोकनि एक्कहि कॉलनी (संकटमोचन कॉलनी)मे कम्मे दूरी पर डेरा रखने रही आ मधुबनी शहरमे प्रदर्शित होमय बला अधिकांश फिल्म आ सांस्कृतिक कार्यक्रमक आनंद संगे संग बैस क’ लैत रहलौं आ ओ संग दिल्ली धरि ओहिना अछि जहिना मधुबनीमे रहल। नीलेश दीपक एक स्वनामधन्य अभिनेता छथि तैं हिनक विशेष परिचय देब उचित नैं बुझाइत अछि।

एक बेर फेर स’ अपनें दुनू गोटेकें बधाइ आ उज्ज्वल भविष्यक कामना !

-मनीष झा “बौआभाइ”


Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

हमर विआह-10

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

कि कि नहि कराएत ई बाढ़ि... ki ki nai karaait ee baarhi

पूर्णिया मे सुखोई

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल