मिथिला महोत्सव मे केजी सुरेश जीक घोषणा- बिहार के मोतिहारी मे खुलत IIMC

दिल्ली मे शनिदिन भेल मिथिला महोत्सव आओर मिथिला लिटरेचर फेस्टिवल मे भारतीय जन संचार संस्थान (IIMC) के महानिदेशक केजी सुरेश जी घोषणा करलखिन्ह जे जल्दीए बिहार के मोतिहारी मे IIMC के सेंटर खोलल जाएत. एहि सं आब पत्रकारिता के विश्वस्तरीय पढ़ाई केर लेल बिहार सं बाहर
जाय के जरूरत नहि पड़त. IIMC पत्रकारिता के विश्व के एकटा जानल-मानल संस्थान अछि. भारत सरकार के सूचना आओर प्रसारण मंत्रालय के अंतर्गत ई एकटा स्वायत्त संस्थान अछि. एकर सेंटर बिहार मे खुलनाय एकटा पैघ बात अछि। सुरेश जी एकरे संग IIMC मिथिला, मैथिली आओर मिथिलांचल मे शोध, स्टडी लेल कार्यक्रम आ मैथिली वेबसाइट, अखबार आओर यू-ट्यूब चैनल लेल शॉर्ट टर्म कोर्स सेहो शुरू करत.

दिल्ली के प्रेस क्लब ऑफ इंडिया परिसर मे मैथिली पत्रकार ग्रुप के तरफ सं भेल एहि कार्यक्रम मे कइटा राजनेता सेहो शाामिल भेलाह. एहि मे मिथिला-मैथिली के प्रसार-प्रसार आओर विकास पर चर्चा भेल. चर्चा के दौरान कई तरहक सुझाव सेहो मिलल. दिल्ली सरकार के तरह सं आम आदमी पार्टी के दिलीप पांडेय घोषणा करलखिन्ह जे दिल्ली के सरकारी स्कूल मे छठमा सं बारहमा तक मैथिली मे पढ़ाई शुरू कएल जाएत.

प्रेस क्लब मे कार्यक्रम के सफल आयोजन आओर संचालन लेल संतोष ठाकुर जी, मदन झा जी, रौशन झा जी, प्रकाश झा जी, मुकुंद बिहारी जी, ईश्वर नाथ झा जी, सुमन चौधरी जी, दीपक जी, गोविंद जी, कुणाल जी नरेन्द्र नाथ जी, सुजीत ठाकुर जी, संजीव सिन्हा जी सभ के विशेष रूप सं धन्यवाद.


देखु फोटो-



















Comments

Popular posts from this blog

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह- 8

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

केंद्र मे हारल बिहार...

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश