मिथिला के बेटी मैथिलीक सपना आईएएस

मिथिला के लेल एकटा गर्वक बात अछि. मिथिला के बेटी मैथिली मिश्रा सीबीएसई के 12वीं के परीक्षा मे पूरा देश मे दोसर स्थान प्राप्त केलनि. मैथिली के सीबीएसई 12वीं परीक्षा मे 99 प्रतिशत मार्क प्राप्त भेलनि.

मैथिली अपन मां-पिताजी संग नोएडा मे रहय छथि आआोर एहन पहिल बेर भेल जे नोएडा सं सीबीएसई 12 वीं मे कोनो छात्रा सेकेंड टॉपर बनलीह.

मूलतः भागलपुर निवासी पिता बृजकिशोर
मिश्रा और माता अपर्णा झा जीक के पुत्री मैथिली नोयडा के एमिटी इंटरनेशनल स्कूल के छात्रा छथि. बृजकिशोर जी आआो अपर्णा जी दुनू गोटे सुप्रीम कोर्ट में वकील छथि.

अगर विषय के हिसाब सं देखय जाए तं इतिहास मे 100 मे 100, अर्थ शास्त्र मे 100 मे 100, सायकोलॉजी मे 100 मे 99, राजनीति शास्त्र मे 100 मे 98 आ अंग्रेजी मे 100 मे 98 नंबर प्राप्त केलनि. यानि 500 मे 495 अंक. शानदार.

एतेक नीक नंबर ओहो बिना ट्यूशन पढ़ने. मैथिली मिश्रा रोज 10 सं 12 घंटा पढ़ाई करि एतेक मार्क लाबय मे सफलता प्राप्त केलनि. ओना एहि मे मैथिली के मां- पापा के संग चाचीजीक सहयोग मिललन्हि.

मैथिली के सपना सिविल सर्विसेज के परीक्षा द आइएएस बनय के छनि. एहि लेल मैथिली दिल्ली विश्वविद्यालय के श्रीराम कॉलेज सं राजनीति शास्त्र मे बीए आआोर एमए करय चाहय छथीह.

हिनका किताब पढ़य के आओर पेंटिंग करय के विशेष शौक छनि.

मिथिला मैथिल के नाम रौशन करबाक लेल मैथिली मिश्रा के बधाई आओर शुभकामना...



एहि ठाम अहां कंमेट बॉक्स मे मैथिली मिश्रा के अपन शुभकामना संदेश लिख सकय छी

Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

खत्म होएत गैस के किल्लत...

मैथिल नववर्ष जूड़शीतल- सतुआइन केर शुभकामना

हमर विआह- 8

देशक पहिल मखाना प्रोसेसिंग यूनिट

अहां केना सहैत होएब ?

कि इहे सभागाछी अछि ?

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा