मैथिल नारी: चार रंग

मैथिल नारी: चार रंग ई सिर्फ मिथिलाक नारी के व्यथा-कथा नञि अछि... बल्कि ओतेक तरक्की करला के बादहुं देश-दुनिया के सभ नारी के आपबीती अछि.

मैथिल नारी: चार रंग भने आई सं कई साल पहिने लिखल गेल होए... मुदा ई कहानी आजुक युग मे सेहो प्रासंगिक अछि.

मैथिल नारी: चार रंग
राजकमल जीक चारिटा कहानी... अलिखित पत्र, ललका पाग, कोपर आ वैष्णव के एकसाथ मिला कs बनाऔल गेल अछि.

चारु कहानी मे मैथिल नारी के चारि तरहक कष्ट, कुप्रथा, व्यथा, व्यवस्था के वर्णन अछि. केना मैथिल नारी अपन सेवा आ त्याग सं अपन जीवन गुजारि दैत छथीह आ आह तक नञि करय छथीह.

अलिखित पत्र मे लड़की के प्रेमक सुंदर रूप सं देखाएल गेल... कन्या शिक्षा पर ई कहानी कठोर प्रहार करैत अछि. एहि प्रसंग मे कन्या के प्रेमपत्र के वर्णन अछि जे कहिओ लिखल नञि गेल.

कन्या शिक्षा पर जोर दैत संदेश देल गेल अछि जे अगर वो कन्या पढ़ल-लिखल रहैत तं जे कष्ट... दुर्दशा सहय पड़ल ओ नहि सहय पड़ैत.

ललगा पाग मे पति के प्यार के लेल तरसैत पत्नी के प्रसंग अछि. एहि मे पति के विवाह के तैयारी करैत पत्नी आ अंत मे पति के ललका पाग पहनाबैत दृश्य...कठोर सं कठोर हृदय वाला के सीना फाड़ि देबय वाला अछि. दिल के भीतर तक उतैरि जाए वाला प्रसंग.

एहिना हाल कोपर आ वैष्णव के छल...

मैथिल नारी: चार रंग मे... नारी के चारु रूप मे सोनिया झा जीक अनिनय लाजवाब रहल. ड़ेढ घंटाक नाटक मे एक संग चारू रूप के निभैनाए हुनकर अभिनय क्षमता के देखाबैत अछि.

हुनका सं एहि तरहक नीक काज लेबय लेल देवेंद्र जी आ प्रकाश जी धन्यवादक पात्र छथिन्ह.

सोनिया झा जीक संग नाटकक दोसर कलाकार मे मुकेश झा, अनिल मिश्र, अमरजी राय, दीपक ठाकुर, प्रवीण कश्यप आ सत्या मिश्रा जी शामिल छथिन्ह. हिनकर सभक अभिनय सेहो बड़ सुन्दर रहल.

मुकेश जी आओर दोसर कलाकार सभक अभिनय तं मैलोरंगक नाटक मे काफी दिन सं देखय लेल मिल रहल अछि. सभ मांजल कलाकार छथिन्ह.

मैलोरंग के एहि नाटटक मंचन देवेंद्र राज अंकुर जीक निर्देशन मे भेल. एहि नाटटक सह निर्देशक छलाह प्रकाश झा जी. सह निर्देशक रहितहुं सभ क्रेडिट प्रकाश झा जीके जाए छनि.

हम हिंदी के एहि नाटक के मैथिली नाटक सोचि कs एनएसडी के सम्मुख हॉल गेल छलहुं. मुदा कहानी, एक्टिंग आ पेशकश सं कनिओ खेद नहि भेल.

प्रकाश झा जी भरोस देलाह जे जल्दीए ई नाटक मैथिली मे सेहो कएल जाएत. इंतजार अछि ओकर.



Comments

Popular posts from this blog

खत्म होएत गैस के किल्लत...

जेएमआईटी बनल डीईसी

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

विज्ञान सं रुझान कम किएक ?