तं एहिलेल सीएम नञि रहय चाहय छथिन्ह नीतीश!

नीतीश कुमार के लs क ई कानाफूसी चलि रहल अछि जे ओ अगिला पीएम नरेंद्र मोदी के कारण बिहार के मुख्यमंत्री नञि रहय चाहय छथिन्ह.

खबर ई अछि जे अगर नीतीश बिहार के सीएम पद पर बनल रहताह तं मोदीजी के पीएम बनलाह पर बिहार आबय पर हुनकर स्वागत-सत्कार करय पड़तन्हि.

पीएम मोदी के पटना आबय पर हवाई अड्डा पर जाsक स्वागत करय
पड़तन्हि. बिहार आबय पर मोदीजी के सम्मान मे भोज देबय पड़तन्हि.

बिहार मे किछ भेलाह पर राज्य के ताजा हालात सं पीएम मोदी के अपडेट करय पड़तन्हि.

दिल्ली मे कोनो मीटिंग भेलाह पर हुनका सं मिलय जाए पड़तन्हि. मीटिंग मे हुनका सं खुद के छोट पद पर रहला के कारण आंखि नञि मिला पएताह.

एहन स्थिति नञि आबय ताही लेल ओ इस्तीफा के खेल खेललाह.

ओना हिनकर सांप्रदायिकताक नौटंकी के कारण बिहार लोकसभा चुनाव मे हिनकर पार्टी जेडीयू के सफाया भs गेल. राज्य के 40 सीट मे पार्टी के सिर्फ दूटा सीट मिलल.

एहि सं पार्टी मे नीतीश के खिलाफ काफी गुस्सा बढ़ि गेल. गुस्सा के शांत करय लेल इस्तीफा के खेल जरूरी छल.
नीतीश के इस्तीफा नञि देबय के हालात मे बिहारक स्थिति दोसर रहैत. जेडीयू मे बगावत टाइप हो-हल्ला भs गेल रहैत. पार्टी नेता खुद हिनका सं इस्तीफा मांगैत नजर आबैत.

मुदा आब जखन नीतीश खुद इस्तीफा के दांव चलि देलाह तं लोक के दिमाग ओहि सं डाइवर्ट भs गेल छनि. हुनका पक्ष मे हो-हल्ला आ हुनका सं इस्तीफा वापस लेबय के मांग करय वाला नेता आओर आदमी सभ मे बेसि हुनके इलाका के छनि.

संगहि-संग ओ नेता सभ नीतीश सं इस्तीफा वापस लेल कहि रहल छथिन्ह जिनकर खुद के जनाधार नञि छनि आ फेर नीतीश के नहि रहलाह पर हुनकर असर या पद खत्म भs सकय छनि.

आब नीतीश जीक कोशिश कोनो एहन नेता के सीएम बनाबय के छनि जे हुनकर इशारा पर कठपुतली जकां काज करय. जे सिर्फ नाम के लेल मुख्यमंत्री होए आ मर्जी नीतीश जीक चलय.

बिहार के लेल सभ सं पैघ दुर्भाग्य राज्य मे योग्य नेता के कमी सेहो अछि. कोनो एहन चेहरा नञि देखायत अछि जिनकर छवि विकास...राज्य के आगां लs जाए वाला होए.

नीतीश के अलावा दोसर पांत के कोनो एहन नेता नञि देखा रहल अछि जिनकर आवाज पर पूरा बिहार के लोक ठाड़ भ जाए.

अहां की कहय छी? की नीतीश जी के इस्तीफा देनाय सही अछि? की नैतिकता के नाम पर ओ नौटंकी करि रहल छथिन्ह?



Comments

  1. नैतिकता के नाम पर नौटंकी

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर विआह-10

पूर्णिया मे सुखोई

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

हमर विआह- 8

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

कि कि नहि कराएत ई बाढ़ि... ki ki nai karaait ee baarhi

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला बिन बिहार आ बिहार बिन देशक विकास संभव नहि- नीतीश