फर्जी डिग्गी बेच प्रिंसिपल बनला करोड़पति!

पटना मे एकटा संस्कृत कॉलेज के प्रिंसिपल के घर आओर दफ्तर पर छापा मारि तीन करोड़ के संपत्ति जब्त कएल गेल अछि.

छापामारी बिहार पुलिस के आर्थिक अपराध शाखा...इकनॉमिक ऑफेंस यूनिट के तरफ सं कएल गेल.

सरकारी संस्कृत कालेज के प्रिंसिपल अनिल कुमार ईश्वर के जेहि संपत्ति के सीज कएल
गेल अछि ओहि मे पटना के दूटा मकान, बाबाधाम देवघर के एकटा फ्लैट आओर ग्रेटर नोएडा के तीनटा फ्लैट शामिल अछि. एहिके साथ तीन एकड़ जमीन के सेहो जब्त कएल गेल अछि.

हिनका एहिठाम सं कइटा कॉलेज आओर विश्वविद्यालय के फर्जी सर्टिफिकेट आओर मोहर सेहो सीज कएल गेल. कहल जा रहल अछि जे कॉलेज मे पढ़ाबय सं पहिने ईश्वरजी स्टूडेंट सभ के सर्टिफिकेट आओर मार्कशीट दिलाबय के काज करय छलाह.

पुलिस के प्रिंसिपल साहेब के 50 सं बेसि बैंक अकांउट से सेहो पता चलल अछि. अखन ई पता नहि चलल अछि जे एहि अकांउट मे कतेक पाई राखल अछि.

प्रिंसिपल ईश्वर जी के खिलाफ केस दर्ज करि लेल गेल अछि.

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

मैथिल नववर्ष जूड़शीतल- सतुआइन केर शुभकामना

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

देशक पहिल मखाना प्रोसेसिंग यूनिट

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

हमर विआह-10

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

ट्विटर स्पेस: वर्तमान राजनीतिक अवस्था मे मिथिला के जनजीवन आ पंचायती राज व्यवस्था पर भेल चर्चा