नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

फर्जी डिग्गी बेच प्रिंसिपल बनला करोड़पति!

पटना मे एकटा संस्कृत कॉलेज के प्रिंसिपल के घर आओर दफ्तर पर छापा मारि तीन करोड़ के संपत्ति जब्त कएल गेल अछि.

छापामारी बिहार पुलिस के आर्थिक अपराध शाखा...इकनॉमिक ऑफेंस यूनिट के तरफ सं कएल गेल.

सरकारी संस्कृत कालेज के प्रिंसिपल अनिल कुमार ईश्वर के जेहि संपत्ति के सीज कएल
गेल अछि ओहि मे पटना के दूटा मकान, बाबाधाम देवघर के एकटा फ्लैट आओर ग्रेटर नोएडा के तीनटा फ्लैट शामिल अछि. एहिके साथ तीन एकड़ जमीन के सेहो जब्त कएल गेल अछि.

हिनका एहिठाम सं कइटा कॉलेज आओर विश्वविद्यालय के फर्जी सर्टिफिकेट आओर मोहर सेहो सीज कएल गेल. कहल जा रहल अछि जे कॉलेज मे पढ़ाबय सं पहिने ईश्वरजी स्टूडेंट सभ के सर्टिफिकेट आओर मार्कशीट दिलाबय के काज करय छलाह.

पुलिस के प्रिंसिपल साहेब के 50 सं बेसि बैंक अकांउट से सेहो पता चलल अछि. अखन ई पता नहि चलल अछि जे एहि अकांउट मे कतेक पाई राखल अछि.

प्रिंसिपल ईश्वर जी के खिलाफ केस दर्ज करि लेल गेल अछि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु