PHOTOS- मधुबनी के चपाही मे आगि सं चारिटा मरलाह, 500 घर जरिsक राख

मधुबनी जिला मे राजनगर प्रखंड के चपाही गाम में आगि लगय सं चारि लोक के मारल जाए के खबर अछि. मारल गेल चारिटा लोक मे दूटा बच्चा शामिल अछि.

सुगौना पंचायत के चपाही मे रविदिन 30 मार्च के आगि मे पांच सय सं बेसि घर जलिsक राख भ गेल.

बताएल जा रहल अछि जे आगि खाना बनाबैत काल चूल्हा सं
उठल चिंगारी सं लागल. पछिया हवा के कारण आगि देखैत दैखेत पूरा टोला के अपना चपेट ने लs लेलक.

चपाही में 500 सं बेसि घर के जलि के राख भेलाह से लाखों टका के संपत्ति के नुकसान भेल अछि.

आगि से घर...मकान सं नष्ट भए गेल... कइटा मवेशी सेहो झुलैस गेल. घर के बाहर लागल गाड़ी-बाइक सेहो राख भs गेल.















ओतेक भीषण आगि लगला के बादहुं दमकल विभाग के गाड़ी के गाम तक पहुंचय मे दू घंटा सं बेसि के समय लागय. एहि सं आगि आओर फैलेत गेल.

आगि लगला के बाद सरकारी अफसर सभ चपाही पहुंच गेल छथिन्ह. चुनाव के टाइम होए के कारण सरकार आओर दोसर पार्टी के लोक सभ कोनो मौका नहि छोड़य चाहय छथिन्ह. सभ घटनास्थल पर पहुंच गेल छथिन्ह. मुदा आगि सांझ धरि पूरा नहि बुझल छल.

सरकार के तरफ सं नुकसान के आकलन कएल जा रहल अछि. आकलन के बाद राहत केर घोषणा कएल जाएत.

रिपोर्ट  आओर फोटो -संजीव कुमार गुप्ता


आओर फोटो+ वीडियो देखय लेल क्लिक करु-

Video + Pics: राजनगर चपाही मे अग्नि देवताक तांडव

Comments

  1. गर्मी अबिते मिथिला में आगिलग्गी शुरू भ जाईत अछि मुदा ने प्रसासन ( पंचायत स्तर सं ल क राज्य स्तर तक ) आ ने लोक सब चेतैत छैथ, ई बड़ दुखक गप्प थिक.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

पूर्णिया मे सुखोई

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

किछ हरायल शब्द

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

हमर विआह-10

बिहार के एकटा आओर सम्मान

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

हमर विआह- 8

कि इहे सभागाछी अछि ?

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल