नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

Videos + Pics: राजनगर चपाही मे अग्नि देवताक तांडव

राजनगर ब्लॉक के चपाही मे रविदिन भोर मे लागल आगि सं पूरा टोल जलि क राख भ गेल अछि. चारु कात बस अग्निदेवताक तांडवक निशान टा बाचल अछि.

सभ किछ राख मे बदलि गेल अछि. घर-द्वार...दलान... मकान...घोड़ा-गाड़ी सभ किथ खाक मे मिल गेल अछि.

कि कच्चा-कि पक्का सभ घर सुड्डाह भ गेल. लोक के पास बस राख के अलावा किछ
नहि बाचल अछि. जिनगी भर कमाई...जिनगी भरक जमा पूंजी सभ खाक.

अनाज-पानी...कपड़ा-लत्ता...पाई-टका...ढौआ-पैसा सभ माइट मे मिल गेल. किछ नहि बाचल. बस आब अवशेष टा बाचल अछि.

मवेशी..बैलगाड़ी...बाइक...जीप सभ के अवशेष अहां फोटो मे देख सकय छी आओर नुकसान के अंदाज लगा सकय छी.
Rajnagar Chapahi fire 1 

Rajnagar Chapahi fire 2
Rajnagar Chapahi fire 3

लोक के पास आब आगां जिनगी केना काटल जाए तकर संकट ठाड़ भ गेल अछि. सभ किछ त जलि क राख भ गेल अछि.

नहि पहिनए लेल कपड़ा बाचल अछि...नहि खाय लेल कोनो अन्न. सभ राख मे बदलि गेल अछि.

सरकार...प्रशासन के तरफ से किछ राहत नहि मिलय सं लोक सभ परेशान छथिन्ह. केना खाएल पियल जाए आओर कतए रहल जाए.

















चारु कात विनाशक मंजर... एहि ने अगर कोनो एनजीओ सभ मदद करि सकय छथिन्ह तं हुनका सभ के आगां अएबाक चाही.

अहां सभ सेहो मदद करय चाहय छ त गामक...टोलक लोक के मदद करि सकय छी.


रिपोर्ट फोटो आ वीडियो- संजीव कुमार गुप्ता


चपाही आगि केर आओर फोटो देखय लेल क्लिक करु-
PHOTOS- मधुबनी के चपाही मे आगि सं चारिटा मरलाह, 500 घर जरिsक राख

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु