दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार



दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार-विमर्श कएल जाएत.

बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसिsक बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल 
संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत.

एहि दहेज के कारण कतेक घर
बर्बाद भ गेल. कतेक घर उजड़ि गेल. कतेक घर नहि बसि पाएल. एकर नाश जरूरी अछि. एहि के लेल लोक के जागरूक करय के जरूरत अछि. शुरुआत भेल अछि. ई नीक कदम अछि.

मिथिलाक दहेज रूपी दानव सं मुक्ति के लेल ई नीक प्रयास अछि. एहि के लेल मदन ठाकुर जी...संतोष चौधरी जी आओर सुनील कुमार झा जी जोर-शोर सं जुटल छथिन्ह. सभ मैथिल के हिनका लोकनि के सहयोग करबाक चाहिएन्हि.

दहेज के खत्म करय लेल मिथिला मे शिक्षा के प्रचार-प्रसार जरूरी अछि. लोक के ई ज्ञान होनाए जरूरी अछि जे ई नीक चीज नहि अछि. एकर शिकार सभ गोटे बनि सकैत छथिन्ह. अगर आई हम दहेज लेब तं काल्हि हमरा देबय सेहो पड़त.

आओर जखन काल्हि हमरा दहेज देबय के बारि आएत तं ओ दहेज जुटाबय लेल कोन-कोन क्रिया-करम करय पड़ैत अछि ओ एकटा लड़की के बापs जानय छथिन्ह. जिनगी भर के लेल कर्जक बोझ मे दबि जाए छथिन्ह.

सासुर मे नहि लड़की के चैन आओर नहि नैहर मे माय-बाप के. सभ परेशान. कतेक लड़की असमय काल के गाल मे समा जाए छथीह. एहि कुप्रथा के खत्म करय लेल जे ई कोशिश भ रहल अछि एकरा सभ लोकनि के तन-मन-धन सं सहयोग करबाक चाही.

मिथिला मे सैकड़ों एनजीओ चलैत अछि. मिथिला राज्य के लेल कतेक संगठन झंडा उठौने अछि मुदा एहि मे सं बेसि संगठन के मिथिलाक लोक सं कोनो लेना-देना नहि अछि.

सभ अपन स्वार्थे अलग राज्य के मांग मे जुटल छैथि. अगर हुनका सभ के कनिओ मिथिलाक चिंता रहतन्हि तं ओ दहेज रूपी दानव के खत्म करय लेल एकटा आंदोलन चलौने रहतिएन्हि.

मुदा ई संगठन सभ के नहि तं मैथिली के चिंता नहि मिथिलाक. मैथिलीक पढ़ाई-लिखाई...किताब... पेपर-पत्रिका... पोस्टर-बैनर...बोर्ड... कार्यक्रम... सीरियल...चैनल किछ के लेल प्रयास नहि बस मिथिला राज्य चाही.

एहि हिसाब सं किछ गोटे मिलिs जे ई अभियान शुरू करलाह एकर जतेक प्रशंसा कएल जाए कम होएत. मुदा एकरा ओहिना नहि गंभीरता सं लेबय के जरूरत अछि. हेलो मिथिलाक तरफ सं हिनका सभ के शुभकामना छनि.

एहि बैसारक बारे मे कोनो तरहक जानकारी चाही त अहां सभ सम्पर्क क सकय छी:-

मदन ठाकुर - ९३१२४६०१५०
संतोष चौधरी - ९९१०६०७७२०
सुनील कुमार झा – ९९१०१७६१४३

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दरभंगा महाराज केर मूर्ति सं छेड़छाड़

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा