कीर्ति आजाद के डपैट देलखिन्ह नीतीश

बिहार मे बीजेपी आओर जेडीयू के बीच सभ किछ नीक नहि बुझा रहल अछि. जेना-जेना 2014 के अगिला लोकसभा चुनाव करीब आबि रहल अछि दुनू पार्टी के बीच दूरी बढ़ल जा रहल अछि.

दुनू पार्टी के बीच तनाव के सीन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक सेवा यात्रा के दौरान दरभंगा मे देखय लेल मिलल.

दरभंगा मे एकटा समीक्षा बैसार के दौरान मुख्यमंत्री के संग
एहिठामक बीजेपी सांसद कीर्ति झा आजाद जी सेहो मौजूद छलखिन्ह.

नीतीश जी अफसर सभ किछ निर्देश द रहल छलखिन्ह कि कीर्ति जी बीच मे टोकि देलखिन्ह. कीर्ति जी मुख्यमंत्री पर इलाका के विकास सं संबंधित किछ आरोप लगौलखिन्ह.

एहि पर नीतीश जी जोर सं बीजेपी सांसद के डपैट देलखिन्ह. एकदम सं झिड़ैक क हुनका सं शांत रहय लेल कहलखिन्ह.

एहि बैसार मे कइटा एमएलए आओर आला अफसर सभ मौजूद छलखिन्ह.

एमपी साहेब के कहनाए छनि जे जखन ओ अपन क्षेत्र मे होए वाला जल जमाव केर मामला उठौलखिन्ह तं मुख्यमंत्री जी हुनका दू बेर झिड़ैक देलखिन्ह.

आजाद जीक कहनाय छनि जे ओ मुख्यमंत्री जीक एहि अभद्र बर्ताव के बादहुं जिला मे प्रधानमंत्री ग्रामीण सड़क योजना सहित कइटा योजना के लागू करय मे भ रहल गड़बड़ी के बारे मे हुनका बतौलखिन्ह.

कीर्ति जीक कहनाए छलन्हि जे सरकार स्कूल आओर अस्पताल खोलय के दावा करैत अछि मुदा नहि तं स्कूल मे टीचर अछि नहि अस्पताल मे डॉक्टर, एहन मे केना स्कूल आओर अस्पताल मे काज होएत.

कीर्ति जीक आरोप पर जेडीयू के कहनाए अछि जे बीजेपी एमपी के ककरा संग केहन बर्ताव करि एकर सलीका नहि छनि.

Comments

Popular posts from this blog

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

हमर विआह- 8

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

फेर अगुआ बनत बिहार

मोन मिथिले मे अछि...

जिम्मेदार के ?

दिल्ली मे सामा चकेवा

दरभंगा मे मिथिला थीम पार्क

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

दरभंगा मे नवाह यज्ञ