बीजेपी एमपी के जान सं मारय के धमकी

बिहार मे कानून-व्यवस्था के स्थिति फेर सं खराब भ रहल अछि. आएल दिन किछ न किछ कांड भ रहल अछि.

ताजा मामला अररिया सं बीजेपी एमपी प्रदीप कुमार सिंह के मिलल जान सं मारय के धमकी के अछि.

प्रदीप कुमार जीके मोबाइल पर फोन क हुनका सं दस करोड़ टका के रंगदारी
देबय के मांग करल गेल. रंगदारी नहि देबय पर जान सं मारय के धमकी देल गेल.

धमकी मे कहल गेल जे दस करोड़ टका नहि देलाह पर हुनकर मकान के बम सं उड़ा देल जाएत.

धमकी वाला फोन आबय के टाइम प्रदीप जी पटना मे छलखिन्ह. जेहि के बाद ओ पटना के कोतवाली थाना मे एकटा मामला दर्ज करा देलखिन्ह.

सांसद केर मामला होए के कारण पुलिस तुरंत हरकत मे आबि एहि मामला के जांच शुरू करि देलक अछि. फोन के कॉल डिटेल के सेहो जांच कएल जा रहल अछि.

कहल जा रहल अछि जे एमपी साहेब के धमकी देबय वाला आदमी अछि अररिया जेल मे बंद दिनेश राठौर. मुदा एहि बारे मे कछि साफ नहि कहल जा सकैत अछि.

कहल तं इहो जा रहल अछि जे प्रदीप जी के एहि सं पहिनहुं रंगदारी के धमकी मिल चुकल छनि. दू साल पहिनहुं हुनका सं एक बेर एसएमएस भेज कs आओर दोसर बेर चिट्टी भेज क रंगदारी मांगल गेल छल.

Comments

Popular posts from this blog

मैथिल नववर्ष जूड़शीतल- सतुआइन केर शुभकामना

हमर विआह- 8

देशक पहिल मखाना प्रोसेसिंग यूनिट

अहां केना सहैत होएब ?

कि इहे सभागाछी अछि ?

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश