हमर एकावन कविताक लोकार्पण दिल्ली मे

पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी जीक हिंदी कविता संग्रह मेरी इक्यावन कविताएं के मैथिलीक अनुवाद हमर एकावन कविताक लोकार्पण मंगल दिन 25 दिसंबर के दिल्ली मे होएत.

हिंदी सं मैथिली मे अनुवाद कुमकुम झा जीक छनि.

वाजपेयी जीक मेरी इक्यावन कविताएं के ऑडियो सेहो आएल अछि. मुदा मैथिली मे अनुवाद
ई नीक कदम अछि.

कुमकुम झाजी दिल्ली के नवयुग विद्यालय मे टीचर छथीह. हिनकर देशभर के तमाम पत्र-पत्रिका मे हिंदी- मैथिलीक लेख और कविता छपि चुकल छनि.

हिनका कइटा सम्मान सेहो प्राप्त भ चुकल छनि आओर मैथिली फिल्म सिंदुरदान मे अभिनय सेहो करि चुकल छथीह.


अहां सभ हमर एकावन कविता के लोकार्पण कार्यक्रम मे शामिल होए लेल आमंत्रित छी.

लोकार्पण कार्यक्रम अछि दिल्ली के रफी मार्ग पर स्थित कांस्टीट्यूशनल क्लब के स्पीकर हॉल मे. ई अहां के पटेल चौक मेट्रो स्टेशन के पास अछि.

Comments

Popular posts from this blog

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप