नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

हमर एकावन कविताक लोकार्पण दिल्ली मे

पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी जीक हिंदी कविता संग्रह मेरी इक्यावन कविताएं के मैथिलीक अनुवाद हमर एकावन कविताक लोकार्पण मंगल दिन 25 दिसंबर के दिल्ली मे होएत.

हिंदी सं मैथिली मे अनुवाद कुमकुम झा जीक छनि.

वाजपेयी जीक मेरी इक्यावन कविताएं के ऑडियो सेहो आएल अछि. मुदा मैथिली मे अनुवाद
ई नीक कदम अछि.

कुमकुम झाजी दिल्ली के नवयुग विद्यालय मे टीचर छथीह. हिनकर देशभर के तमाम पत्र-पत्रिका मे हिंदी- मैथिलीक लेख और कविता छपि चुकल छनि.

हिनका कइटा सम्मान सेहो प्राप्त भ चुकल छनि आओर मैथिली फिल्म सिंदुरदान मे अभिनय सेहो करि चुकल छथीह.


अहां सभ हमर एकावन कविता के लोकार्पण कार्यक्रम मे शामिल होए लेल आमंत्रित छी.

लोकार्पण कार्यक्रम अछि दिल्ली के रफी मार्ग पर स्थित कांस्टीट्यूशनल क्लब के स्पीकर हॉल मे. ई अहां के पटेल चौक मेट्रो स्टेशन के पास अछि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु