नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार मे विधायकsए जी परेशान तं दोसर के बाते छोडुं

पूर्णिया के रुपौली विधानसभा क्षेत्र सं विधायक छथीह बीमा भारती जी. बीमा जी मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक पार्टी जेडीयू के एमएलए छथीह.

विधायक छथीह बीमा भारती जी मुदा इलाका मे जोर चलय छनि हिनकर पति अवधेश मंडल जीक.

बीमा भारती जीक कहनाय छनि जे ओ अपन पति सं
परेशान छथीह. एहि सं पहिने सेहो बीमा जी अपन पति पर कई बेर आरोप लगा चुकल छथीह. मामला थाना-पुलिस तक पहुंचि चुकल अछि.

ताजा मामला मे बीमा जी भवानीपुर थाना मे अवधेश मंडल पर जान सं मारय के कोशिश करय और उत्पीड़न करय के केस करलीह.

सभ सं चौंकाबय वाला शिकायत ई अछि जेहि मे बीमा जीक आरोप छनि जे हुनकर पति दोसर शादी करि लेने छथिन्ह. अपन पति पर जे केस करलीह ओहि मे बीमा जी आरोप लगौलन्हि जे अवधेश जी गुड़िया नाम के एकटा महिला सं शादी करि लेने छथिन्ह. जखन कि ओ पहिने सं हुनका संग विवाहित छथिन्ह.

शिकायत मे इहो कहल गेल अछि जे अवधेश जी एमएलए साहिबा सं एहि दोसर विवाह के लेल सहमति पत्र लs लेबय के बात करय छथिन्ह मुदा बीमा जी एहि बारे मे कोनो सहमति नहि देने छथीह.

विधायक जीक साफ- साफ कहनाए छनि जे ओ हुनका कई साल सं शारीरिक आओर मानसिक उत्पीड़न करि हरल छथिन्ह. बीमा भारती जी इहो कहय छथीह जे हुनका संग मारि-पीट सेहो कएल जाएत अछि.

आब अहां सोचि सकय छी जे अपन पार्टी के सरकार होएत बीमा जी जखन अपने घर मे मारि खा रहल छथीह तं दोसर लोक के कि हाल होएत?

कि बीमा जी अपने बल पर एमएलए बनलीह या एमएलए बनाबय मे हुनकर बाहुबली पति के हाथ छनि आ आब जखन ओ अपना मोन लायक काज कराबय चाहय छथिन्ह तं बीमा जीके दिक्कत होए छनि?

बीमाजी परिवारक एहि परेशानी मे इलाका के लोकक परेशानी...समस्या पर कि ध्यान द पाबय होएतीह?

नीतीश जी अपन विधायक के परेशानी दूर करय के कोशिश किएक नहि करय छथिन्ह?

अहां सभ के एहि बारे मे किछ पता होए तं अहां सेहो किछ कमेंट बॉक्स मे अपन राय दिऔ.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु