नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दिल्ली मे अलग मैथिली अकादमी बनाबए केर मांग

अखिल भारतीय मिथिला संघ के तरफ सं दिल्ली मे अलग मैथिली अकादमी बनाबए केर मांग कएल गेल अछि.

अखन दिल्ली मे मैथिली आओर भोजपुरी अकादमी एकहिं संग अछि. एकहिं संग होबए के कारण दुनू के कामकाज प्रभावित भ रहल अछि. नहि तं मैथिलीक काज नीक सं भ रहल अछि नहि भोजपुरी के.

एकहि संग होबए के कारण दुनू के काज नीक सं नहि होबए
सं मिथिला मैथिलीक विकास पर असर पड़ि रहल अछि.

एकरा सभ के देखैत अखिल भारतीय मिथिला संग के कार्यकारी अध्यक्ष आरसी चौधरी आओर महासचिव विजय चंद्र झा जी एकटा प्रतिनिधिमंडल के संग दिल्ली के मुख्यमंत्री शीला दीक्षित जी सं भेंट करलखिन्ह.

संघ के तरफ सं मुख्यमंत्री जी सं मांग करल गेल जे दिल्ली मे मैथिली अकादमी अलग सं बनाऔल जाए.

अपन ज्ञापन मे संघ के कहनाए अछि जे मैथिलीक अपन लिपि, व्याकरण, साहित्य आओर शैली अछि आओर ई भोजपुरी सं एकदम सं अलग अछि. दुनू के प्रकृति अलग होए के कारण दुनू अकादमी के संग होनाए एकदम सं अव्यावहारिक अछि.

संघ के तरफ सं गेल प्रतिनिधि अमरनाथ झा, ललन झा, अरविंद पासवान, भवेश नंदन, सत्य प्रभा, डॉ ममता ठाकुर, पवन कुमार सिंह यादव, शुभ नारायण आओर संजीव झा जीक तर्क सं सहमत होएत मुख्यमंत्री जी जल्दीए एहि पर किछ करय के भरोस देलीह.

शीला दीक्षित जी कहलीह जे हम जल्दीए अहां सभ के एहि बारे मे पॉजिटिव न्यूज देब.

संघ के तरफ सं मुख्यमंत्री जी सं दिल्ली मे मिथिला भवन के लेल जमीन उपलब्ध कराबय के सेहो मांग कएल गेल. शीला दीक्षित जी एहि पर सेहो विचार करय के भरोस देलीह.

पिछला मास दिल्ली मे भेल अखिल भारतीय मिथिला संघ के तरफ सं मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह मे आम्रपाली ग्रुप के सीएमडी अनिल शर्मा जी वादा करने छलखिन्ह जे अगर हमरा दिल्ली मे जमीन देल जाए तं हम अपना तरफ सं मिथिला भवन बना देब.

एहि के देखैत संघ तेजी सं अपन काज मे जुटल अछि. मिथिला-मैथिलीक लेल ई नीक खब

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु