Skip to main content

दिल्ली मे अलग मैथिली अकादमी बनाबए केर मांग

अखिल भारतीय मिथिला संघ के तरफ सं दिल्ली मे अलग मैथिली अकादमी बनाबए केर मांग कएल गेल अछि.

अखन दिल्ली मे मैथिली आओर भोजपुरी अकादमी एकहिं संग अछि. एकहिं संग होबए के कारण दुनू के कामकाज प्रभावित भ रहल अछि. नहि तं मैथिलीक काज नीक सं भ रहल अछि नहि भोजपुरी के.

एकहि संग होबए के कारण दुनू के काज नीक सं नहि होबए
सं मिथिला मैथिलीक विकास पर असर पड़ि रहल अछि.

एकरा सभ के देखैत अखिल भारतीय मिथिला संग के कार्यकारी अध्यक्ष आरसी चौधरी आओर महासचिव विजय चंद्र झा जी एकटा प्रतिनिधिमंडल के संग दिल्ली के मुख्यमंत्री शीला दीक्षित जी सं भेंट करलखिन्ह.

संघ के तरफ सं मुख्यमंत्री जी सं मांग करल गेल जे दिल्ली मे मैथिली अकादमी अलग सं बनाऔल जाए.

अपन ज्ञापन मे संघ के कहनाए अछि जे मैथिलीक अपन लिपि, व्याकरण, साहित्य आओर शैली अछि आओर ई भोजपुरी सं एकदम सं अलग अछि. दुनू के प्रकृति अलग होए के कारण दुनू अकादमी के संग होनाए एकदम सं अव्यावहारिक अछि.

संघ के तरफ सं गेल प्रतिनिधि अमरनाथ झा, ललन झा, अरविंद पासवान, भवेश नंदन, सत्य प्रभा, डॉ ममता ठाकुर, पवन कुमार सिंह यादव, शुभ नारायण आओर संजीव झा जीक तर्क सं सहमत होएत मुख्यमंत्री जी जल्दीए एहि पर किछ करय के भरोस देलीह.

शीला दीक्षित जी कहलीह जे हम जल्दीए अहां सभ के एहि बारे मे पॉजिटिव न्यूज देब.

संघ के तरफ सं मुख्यमंत्री जी सं दिल्ली मे मिथिला भवन के लेल जमीन उपलब्ध कराबय के सेहो मांग कएल गेल. शीला दीक्षित जी एहि पर सेहो विचार करय के भरोस देलीह.

पिछला मास दिल्ली मे भेल अखिल भारतीय मिथिला संघ के तरफ सं मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह मे आम्रपाली ग्रुप के सीएमडी अनिल शर्मा जी वादा करने छलखिन्ह जे अगर हमरा दिल्ली मे जमीन देल जाए तं हम अपना तरफ सं मिथिला भवन बना देब.

एहि के देखैत संघ तेजी सं अपन काज मे जुटल अछि. मिथिला-मैथिलीक लेल ई नीक खब

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...