आब डॉक्यूमेंटरी...शॉर्ट फिल्म सं बिहार गाथा



आब डॉक्यूमेंटरी...शॉर्ट फिल्म के माध्यम सं बिहारक गौरवशाली इतिहास के बारे मे लोक के बताएल जाएत.

डॉक्यूमेंटरी...शॉर्ट फिल्म सं आई-काल्हि के युवक के बिहारक
शानदार अतीत...इतिहास केर जानकारी देलजाएत.

एहि लेल बिहारक सूचना आओर जनसंपर्क मंत्री वृशिण पटेल मंगलदिन 21 टा डॉक्यूमेंटरी के विमोचन करलखिन्ह.

ई सभ डॉक्यूमेंटरी...शॉर्ट फिल्म मे बिहारक विकास आओर पटना केर ऐतिहासिक भवन...घरोहर के बारे मे बताएल गेल अछि.

एहि फिल्म मे पटना के गोलघर, म्यूजियम, कुम्हरार, खुदाबख्श लाइब्रेरी, गांधी मैदान, दरभंगा हाउस, चंपारण के भितिहरवा आश्रम, भागलपुरक मंजूषा पेंटिंग, मुजफ्फरपुर केर लहठी उद्योग के बारे मे जानकारी देल गेल अछि

डॉक्यूमेंटरी...शॉर्ट फिल्म मे बिहारक विवाह गीत के सेहो शामिल कएल गेल अछि.

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

'मिथिला राज चाही'

हमर विआह-10

जेएमआईटी बनल डीईसी

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

हमर विआह-6

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग