यूपी सं बंगाल धरि नेपाल बॉर्डर सं लागल टू लेन सड़क

पश्चिम चंपारण सं किशनगंज धरि नेपाल बॉर्डर सं लागल टू लेन सड़क बनाएल जाएत.

एहि सं बिहार मे यूपी सं पश्चिम बंगाल धरि नेपाल बॉर्डर सं लागल करीब 552 किलोमीटरक सड़कक जाल बिछ जाएत.

एहि पर करीब साढ़े तीन हजार करोड़ रुपया के खर्च
आबय के अनुमान अछि. बिहार सरकार के सड़क बनाबय के एहि योजना मे केंद्र सरकार सेहो मदद करत. सय टका मे 53 टका बिहार सरकार आ 47 टका केंद्र सरकार खर्च करत.

एहि रोड के बनय सं सशस्त्र सीमा बल (एसएसबी) के बॉर्डर ने निगरानी करय मे तं मदद मिलबे करत लोक के सेहो आबय-जाए मे सुविधा होएत.एहि सं एसएसबी के सभ चौकी एक दोसरा सं जुड़ि जाएत.

एहि सं इलाका मे बिजनेस सेहो रफ्तार पकड़त. लोक के सामान लाबयs ल जाए मे सुविधा होएत. एहि अखन कई ठाम एहन अछि जे दस किलोमीटर जाए लेल 50 किलोमीटर घूमि क जाए पड़ैत अछि. एहि सं लोक के समय के संग पेट्रोल के सेहो बचत होएतन्हि.

सड़क सं पश्चिम चंपारण, पूर्वी चंपारण, सीतामढ़ी, मधुबनी, सुपौल, अररिया आओर किशनगंज जिला एक दोसरा सं जुड़ि जाएत.

बिहार सरकार के मुताबिक ई रोड पूर्वी चंपारण मे एनएच 28 पर गोबरहिया सं शुरू भ पश्चिम चंपारण जिला के सहोदरा, इनरवा, सिकटा, पूर्वी चंपारण के रक्सौल, गुआवारी, सीतामढ़ी के बसवींट्टा, सोनबरसा, सुरसंड, भिट्ठामोड़, मधुबनी के अखाड़ाघाट, लदनिया, लौकहा, लौकही, झोरीचौक, करिऔथ, अंधरामठ, भूतहा चौक, सुपौल के सरायगढ़, भीमनगर, वीरपुर, अररिया के रिफ्यूजी कालोनी, जोगबनी, कुंआरी, सिकटी, किशनगंज के फतेहपुर, डुब्बाटोला आओर पीलटोला होएत गलगलिया तक जाएत.

उम्मीद अछि जे दुर्गापूजा बाद एहि रोड पर काज शुरू भ जाएत.

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दरभंगा महाराज केर मूर्ति सं छेड़छाड़

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा