मानसून आएल... बाबाधाम यात्रा 4 जुलाई से होएत शुरू

बिहार मे मानसून आबि गेल अछि. मंगल दिन कई ठाम बारिश भेल. मौसम विभाग के कहनाए अछि जे शुरू मे तीन-चारि दिन पानि होएत फेर किछ दिन बाद होएत.

पानि भेलाह सं बिहार मे लोक के प्रचंड गर्मी सं किछ राहत मिलल अछि. तापमान किछ कम भेल अछि.

मौसम किछ नीक भेल अछि. मुदा लगैत अछि जे तीन-चारि दिन बाद फेर कालक
पहरा पड़त...आओर लोक गर्मी सं त्रस्त रहताह.

एहि बेर तं गर्मी के ई हाल अछि जे लगैत अछि गाछक एकोटा पत्ता तक नहि हिलैत अछि. हाथक पंखा...बैन डोलाबैत-डोलाबैत हाथ दुखा रहल अछि. भरि राति कच्छ-मच्छ करैत बितैत अछि.

मुदा मंगल दिनक भेल किछ पानि सं किछ चैन मिलल अछि लोक के.

मानसून आबए के संग बाबाधाम जाए के तारीख सेहो तय भ गेल अछि. बाबाधाम यात्रा 4 जुलाई सं शुरु होएत.

सुल्तानगंज सं देवघर...बाबाधाम तक लोक कांवड़ लsक बोल बम...बोल बम जपैत यात्रा करताह.

बाबाधाम यात्रा के देखैत... श्रावणी मेला के देखैत सरकार के तरफ सं सेहो तैयारी शुरू भ गेल अछि. प्रशासन के तरफ सं साफ-सफाई.. स्वास्थ्य... बिजली- पानि आओर सुरक्षा के इंतजाम होबए लागल अछि.

सरकार के कहनाए अछि जे एहि बेरक श्रावणी मेला पर करीब ढाई करोड़ टका खर्च होएत. सरकार के तरफ सं अफसर सभ के निर्देश देल गेल अछि जे भरि मेला बिजली कटौती नहि होबाक चाही. सुरक्षा के चाक चौबंद इंतजाम होबाक चाही.

बाबाधाम मेला शुरू भेलाह पर बाबा के प्रसाद पेड़ा पर सेहो ध्यान लागल रहैत अछि. जे स्वाद बाबाधामक पेड़ा के रहैत अछि ओ आओर कतहुं के पेड़ा मे नहि मिलैत अछि. केतबो पेड़ा खा लिअ मोन नहि भरत.

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

हमर विआह-10

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

पूर्णिया मे सुखोई

कि कि नहि कराएत ई बाढ़ि... ki ki nai karaait ee baarhi

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल