आब सभ ब्लॉक के अपन अलग वेबसाइट होएत

आईटी के क्षेत्र मे बिहार के लेल नीक खबर अछि. बिहार एहि क्षेत्र मे आगां बढ़ि रहल अछि. सरकार के नवका कोशिश बिहारक हर ब्लॉक के अपन वेबसाइट बनाबय केर अछि.

बिहार मे 534 ब्लॉक अछि. एहि हिसाब सं 534 ब्लॉक के सरकारी वेबसाइट बनत. एहि वेबसाइट पर सरकार के जतेक स्कीम...योजना चलि रहल अछि ओकर जानकारी लोक के देल जाएत.

सरकार के तरफ सं लोक सभ के कल्याण... सुविधा... विकास के
लेल जे काज कएल जा रहल अछि ओकर जानकारी देल जाएत.

चूंकि आब हर ब्लॉक के वेबसाइट होएत तं अहां अपन ब्लॉक ने चलय वाला स्कीम के जानकारी एहि पर तुंरत देखि सकय छी. कोन स्कीम मे कतेक पाइ देल गेल...कतेक खर्च भेल आ कतेक काज बाचल अछि.

वेबसाइट के इंटरएंक्टिव सेहो बनाएल जाएत. अहां एहि पर अपन शिकायत..फीडबैक सेहो द सकय छी.

एक बात ई सेहो तय अछि जे जखन एतेक वेबसाइट बनत तखन एहि सं जुड़ल लोक के रोजगार सेहो
मिलतन्हि. डाटा इंट्री...कंप्यूटर ऑपरेटर...वेब डेवलेपर...प्रोग्रामर सभ के सेहो काज मिलतन्हि. ई तं रोजगार लेल नीक अछि.

वेबसाइट पर सरकार के तरफ सं काज शुरू अछि. आईटी विभाग के लोक सभ जोर-शोर सं अपन काज करि रहल छथिन्ह. एक बेर ई काज पूरा भेल नहि कि फेर पंचायत स्तर पर वेबसाइट के इंतजार करय लेल तैयार रहुं.

Comments

Popular posts from this blog

खत्म होएत गैस के किल्लत...

मैथिल नववर्ष जूड़शीतल- सतुआइन केर शुभकामना

हमर विआह- 8

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

देशक पहिल मखाना प्रोसेसिंग यूनिट

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

कि इहे सभागाछी अछि ?