नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आब सभ ब्लॉक के अपन अलग वेबसाइट होएत

आईटी के क्षेत्र मे बिहार के लेल नीक खबर अछि. बिहार एहि क्षेत्र मे आगां बढ़ि रहल अछि. सरकार के नवका कोशिश बिहारक हर ब्लॉक के अपन वेबसाइट बनाबय केर अछि.

बिहार मे 534 ब्लॉक अछि. एहि हिसाब सं 534 ब्लॉक के सरकारी वेबसाइट बनत. एहि वेबसाइट पर सरकार के जतेक स्कीम...योजना चलि रहल अछि ओकर जानकारी लोक के देल जाएत.

सरकार के तरफ सं लोक सभ के कल्याण... सुविधा... विकास के
लेल जे काज कएल जा रहल अछि ओकर जानकारी देल जाएत.

चूंकि आब हर ब्लॉक के वेबसाइट होएत तं अहां अपन ब्लॉक ने चलय वाला स्कीम के जानकारी एहि पर तुंरत देखि सकय छी. कोन स्कीम मे कतेक पाइ देल गेल...कतेक खर्च भेल आ कतेक काज बाचल अछि.

वेबसाइट के इंटरएंक्टिव सेहो बनाएल जाएत. अहां एहि पर अपन शिकायत..फीडबैक सेहो द सकय छी.

एक बात ई सेहो तय अछि जे जखन एतेक वेबसाइट बनत तखन एहि सं जुड़ल लोक के रोजगार सेहो
मिलतन्हि. डाटा इंट्री...कंप्यूटर ऑपरेटर...वेब डेवलेपर...प्रोग्रामर सभ के सेहो काज मिलतन्हि. ई तं रोजगार लेल नीक अछि.

वेबसाइट पर सरकार के तरफ सं काज शुरू अछि. आईटी विभाग के लोक सभ जोर-शोर सं अपन काज करि रहल छथिन्ह. एक बेर ई काज पूरा भेल नहि कि फेर पंचायत स्तर पर वेबसाइट के इंतजार करय लेल तैयार रहुं.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु