नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दिल दिल्ली दरभंगा लेल 23 मार्च के प्रेस क्लब मे बैसार


दिल दिल्ली दरभंगा... ई एकटा अभियान अछि अपन दरभंगाक गौरव के वापस लाबय केर. दरभंगा शहर सं अपना सब के कइटा याद जुड़ल अछि. अपना सभ दरभंगा के माटि पानि ने पलि क पैध भेल छी.

अपन दरभंगा माछ...पान...मखान...मिथिला पेंटिंग के लेल दुनिया मे मशहूर अछि. एहिठाम के लोक अपन शहद सं भरल बोलि के लेल
जानल जाए छथिन्ह.

दरभंगा राज... टावर चौक... लहेरियासराय... बेला पैलेस ...नरगौना पैलेस सं ल क लक्ष्मीसागर तक...गुदरी बाजार सं ल क बेंता चौक तक. पूनम सिनेमा सं ल क लाइट हाउस तक.

ई त भेल दरभंगा शहर... सैकड़ों गाम सं हम सभ दिल्ली... मुम्बई... कोलकाता... बंगलौर... सूरत आओर लुधियाना केर विकास मे योगदान द रहल छी. एतबे नहि देश-दुनिया मे दरभंगा...मिथिलाक नाम रौशन करि रहल छी.

मुदा पिछला किछ दिन स एहन भ रहल अछि जे अपन दरभंगा...मधुबनी केर नाम दोसरे कारण सं चर्चा मे अछि. दरभंगा केर नाम आब आतंकी गतिविधि आओर आतंकी के पनाह देबय के कारण देश दुनिया मे बदनाम भ रहल अछि.

ओ दरभंगा जे सदिखन शांत रहल...अपराध...हिंसा सं जकर कोनो नाता नहि रहल आई ओ दरभंगा आंतक के कारण लोक के जबान पर अछि. दिल्ली मुम्बई आओर दोसर ठाम भेल आतंकी हमला... बम विस्फोट मे दरभंगा के लोक के नाम आ रहल अछि.

दिल्ली...मुम्बई के पुलिस दरभंगा से लोक के पकड़ि क ल जा रहल अछि. कइटा लोक के संबंध आतंकी घटना मे बताएल जा रहल अछि.

अगर हम दरभंगा के लोक सभ अखनो नहि ध्यान देब त ई मामला गंभीर रूप धरि सकैत अछि. एहि सभ पर चर्चा के लेल दिल्ली के प्रेस क्लब मे 23 तारीख शुक्र दिन 4 बजे एकटा बैसार अछि.  दिल दिल्ली दरभंगा पर लोक सभ अपन विचार रखताह. अहां सेहो आउ अपन विचार राखु. दरभंगा के बदनाम होए सं बचाबय लेल कि कएल जाए ई लोक सभ के बताउ.

दिल्लीक प्रेस क्लब कृषि भवन...रेल भवन के पास अछि. ई केंद्रीय सचिवालय मेट्रो स्टेशन सं सटल अछि. मेट्रो स्टेशन सं बाहर निकलब कि प्रेस क्लब के बिल्डिंग सामने दिखाएत. मुदा मेट्रो स्टेशन सं कृषि भवन वाला गेट सं बाहर निकलब तं आसान रहत

तं भेंट होएत अछि शुक्रदिन 23 तारीख के 4 बजे प्रेस क्लब मे.

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु