Skip to main content

Posts

Showing posts from February, 2012

बीसम नव दिल्ली विश्व पुस्तक मेला

आइ बीसम नव दिल्ली  विश्व पुस्तक मेला २०१२क उद्घाटन कपिल सिब्बल, केन्द्रीय मानव संसाधन मंत्री, भारत सरकार द्वारा हंसध्वनि ओपेन एयर थियेटर, प्रगति मैदान, नव दिल्लीमे कएल गेल। एकर आयोजक रहैत अछि नेशनल बुक ट्रस्ट, भारत। ई विश्व पुस्तक मेला दू सालमे एक बेर होइत अछि आ ४० साल पहिने १९७२ ई. मे एकर पहिल आयोजन भेल छल।  कपिल सिब्बल

चापलूसी केर हद...नीतीश कुमार लेल भारत रत्न के मांग

बिहार विधानसभा मे आई बुधदिन चापलूसी केर हद देखय लेल मिलल. बजटसत्र के दौरान जखन राज्यपाल के अभिभाषण पर बहस चलि रहल छल तखन एकटा विधायक मुख्यमंत्री जीक तारीफ केर पुल बांधैत भारत रत्न देबय के मांग करि देलीह. विधायक अपन मिथिला के छथीह. पूर्णिया के धमदाहा सं

नाटक, गीत, संगीत, नृत्य, मूर्तिकला, शिल्प आ चित्रकला क्षेत्रमे विदेह सम्मान २०१२ (रिपोर्ट बेचन ठाकुर)

नाटक, गीत, संगीत, नृत्य, मूर्तिकला, शिल्प आ चित्रकला क्षेत्रमे विदेह सम्मान २०१२ अभि‍नय- मुख्य अभिनय , सुश्री शि‍ल्‍पी कुमारी, उम्र- 17 पि‍ता श्री लक्ष्‍मण झा/ श्री शोभा कान्‍त महतो, उम्र- 15 पि‍ता- श्री रामअवतार महतो, / हास्‍य-अभिनय सुश्री प्रि‍यंका कुमारी, उम्र- 16, पि‍ता- श्री वैद्यनाथ साह /श्री दुर्गानंद ठाकुर, उम्र- 23, पि‍ता- स्‍व. भरत ठाकुर नृत्‍य सुश्री सुलेखा कुमारी, उम्र- 16, पि‍ता- श्री हरेराम

बिहार मे फेर बिजली संकट, मनमोहन सरकार जिम्मेदार

बिहार मे एक बेर फेर सं बिजली संकट गहरा गेल अछि. एक तं बिहारक बिजली कोटा कम ताही पर तय कोटा सं कम बिजली आपूर्ति. नव परेशानी कोयला आओर पानिक कमी अछि. कहलगांव आओर पश्चिम बंगालक फरक्का केर एनटीपीसी प्लांट मे कोयला आओर पानिक कमी सं दूटा यूनिट मे बिजली उत्पादन ठप भ गेल अछि. कोयलाक कमी के कारण कहलगांव प्लांट मे दू सय दस मेगावाट

-साहित्य अकादेमी युवा पुरस्कार २०११ आ अनुवाद पुरस्कार २०११क घोषणा -(रिपोर्ट प्रियंका झा)

- साहित्य अकादेमी युवा पुरस्कार २०११ आ अनुवाद पुरस्कार २०११क घोषणा - -मैथिली लेल युवा पुरस्कार २०११ श्री आनन्द कुमार झाकेँ हुनकर नाटक "हठात परिवर्तन" लेल देल गेल। -श्री आनन्द कुमार झाकेँ विदेह समानान्तर युवा पुरस्कार २०११ पहिनहिये भेट चुकल छन्हि, हुनकर पोथी "हठात परिवर्तन" केँ वोटिंग लेल राखल गेल रहए आ नाटक "कलह" केँ ई पुरस्कार

योगेन्द्र झाजीक निधन

स्वतंत्रता सेनानी आओर पूर्व सांसद योगेन्द्र झा जीक आई सोमदिन दिल्ली मे निधन भ गेलन्हि. 82 साल के योगेन्द्र जी काफी दिन सं बीमार चलि रहल छलखिन्ह. हिनका दिल्ली के द्वारका इलाका मे एकटा अस्पताल मे भर्ती कराएल गेल छलन्हि ओतहि आखिरी सांस

प्रबोध सम्मान समारोह १२ फरबरी २०१२

बिहार दिवस मे अएताह बिग बी

बिहार दिवस के लेल एहि बेर बॉलीवुड के सुपरस्टार अमिताभ बच्चन के न्योत देल गेल छनि. उम्मीद कअल जा रहल अछि जे ओ 23 मार्च के पटना अएताह. अमिताभ जी ओना बिहार सं नहि उत्तर प्रदेश सं छथिन्ह मुदा हुनकर व्यक्तित्व एतेक महान छनि जे हुनका विशेष अतिथि के तौर पर बुलाएल जा रहल छनि. बिहार दिवस 22 सं 24 मार्च धरि

कोसी महासेतुक उद्घाटन भेल

-कोसी महासेतुक उद्घाटन भेल,  -निर्मलीमे विदेह गोष्ठीक निर्णयक हिसाबे हस्ताक्षर अभियान कऽ प्राथमिक आ मध्य विद्यालयमे मैथिली माध्यमसँ शिक्षा लेल स्मार-पत्र देल

चालू भ गेल मिथिलाक विकासक महासेतु कोसी पुल

कोसी महासेतु चालू भ गेल अछि. आई बुध दिन सुपौल जिलाक निर्मली मे केंद्रीय सड़क आ परिवहन मंत्री सीपी जोशी जी एकर उद्घाटन कएलखिन्ह. एहि अवसर पर बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश सेहो मौजूद छलखिन्ह. एहि पुल के बनला सं मिथिला जे 78 साल पहिने दू भाग मे बंटि गेल छल ओ फेर सं एक भ गेल अछि. 1.87 किलोमीटर लंबा एहि पुल के बनला सं मिथिलाक

मिथिला विभूति

मिथिला विभूति स्व. ललित नारायण मिश्र'क क 90वीं जयन्ती(2 फरवरी 2012) पर विशेष:- मैथिला विभूति ओ राजनीतिज्ञ आओर प्रशासक स्व ललित नारायण मिश्रक सभसँ पैघ विशेषता छल- हुनक आत्मीयता. ओ किनको सँ खुशी पूर्वक भेँट करैय छलाह. भेंट करैय बाला सँ हुनक व्यवहार अतेक स्नेहपूर्ण ओ निश्छल होइत छल जे सभ कियो हुनक मधुर स्मृति लएकेँ