नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार दिवस मे अएताह बिग बी

बिहार दिवस के लेल एहि बेर बॉलीवुड के सुपरस्टार अमिताभ बच्चन के न्योत देल गेल छनि. उम्मीद कअल जा रहल अछि जे ओ 23 मार्च के पटना अएताह.

अमिताभ जी ओना बिहार सं नहि उत्तर प्रदेश सं छथिन्ह मुदा हुनकर व्यक्तित्व एतेक महान छनि जे हुनका विशेष अतिथि के तौर पर बुलाएल जा रहल छनि.

बिहार दिवस 22 सं 24 मार्च धरि
मनाएल जाएत. मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक जीक कोशिश सं पहिल बेर बिहार दिवस 2010 मे मनाएल गेल छल.

बिहार दिवस के जरिए नीतीश जीक कोशिश बिहारी मे नवका जोश-उत्साह भरय के छनि. नीतीश सरकार सं पहिने किछ दौर तक बिहारी नाम देश भर मे अपमानजमक भ गेल छल.

मुदा एक बेर फेर सं लोक मे बिहारी गौरव भरय के कोशिश चलि रहल अछि. लोक के बिहारक गौरवपूर्व इतिहास सं परिचित कराएल जा रहल अछि. कार्यक्रम सभ के माध्यम सं बिहारक विरासत सं दू-चारि कएल जाएत अछि.

एहि बेरक बिहार दिवस समारोह लेल अमिताभ बच्चन के संग सभ बिहारी कलाकार सभ के सेहो न्योत देल गेल छनि.

एहि मे शत्रुघ्न सिन्हा, प्रकाश झा, उदित नारायण, शेखर सुमन, मनोज बाजपेयी आओर नीतू चंद्रा शामिल छथिन्ह.

तीन दिन तक चलय वाला एहि समारोह लेल फिजी, मॉरिशस और सूरीनाम केर राष्ट्रपति के सेहो न्योत देल गेलन्हि.

बिहार 22 मार्च 1912 के बंगाल प्रेसीडेंसी अगल भ नवका राज्य बनल छल.



1 टिप्पणी:

  1. A laudable effort on part of an imaginative chief minister,who has rendered many thugs masquerading as politicians jobless by his sincerity and commitment towards development of the state.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु