योगेन्द्र झाजीक निधन

स्वतंत्रता सेनानी आओर पूर्व सांसद योगेन्द्र झा जीक आई सोमदिन दिल्ली मे निधन भ गेलन्हि.

82 साल के योगेन्द्र जी काफी दिन सं बीमार चलि रहल छलखिन्ह. हिनका दिल्ली के द्वारका इलाका मे एकटा अस्पताल मे भर्ती कराएल गेल छलन्हि ओतहि आखिरी सांस
लेलखिन्ह. हिनकर अंतिम संस्कार दिल्ली केर निगम बोध घाट पर बुधदिन कएल जाएत.

योगेन्द्र जी 1962 सं 1967 धरि मधुबनी सं एमपी रहल छलखिन्ह. ओहि टाइम प्रजा सोशलिस्ट पार्टी केर टिकट पर लोकसभा लेल चुनाव जीतल छलखिन्ह.

परिवार मे योगेन्द्र जीक तीनटा पुत्र छनि.

ईश्वर हिनकर आत्मा के शांति प्रदान करथुन आओर परिवार के एहि सदमा का सहय के शक्ति. भगवान सं एतबे प्रार्थना अछि.

Comments

Popular posts from this blog

पूर्णिया मे सुखोई

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

किछ हरायल शब्द

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

हमर विआह-10

बिहार के एकटा आओर सम्मान

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

कि इहे सभागाछी अछि ?

हमर विआह- 8

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल