Skip to main content

चापलूसी केर हद...नीतीश कुमार लेल भारत रत्न के मांग

बिहार विधानसभा मे आई बुधदिन चापलूसी केर हद देखय लेल मिलल.

बजटसत्र के दौरान जखन राज्यपाल के अभिभाषण पर बहस चलि रहल छल तखन एकटा विधायक
मुख्यमंत्री जीक तारीफ केर पुल बांधैत भारत रत्न देबय के मांग करि देलीह.

विधायक अपन मिथिला के छथीह. पूर्णिया के धमदाहा सं
जेडीयू केर लेसी सिंह.

नीतीश जीक पार्टी सं छथीह. पार्टी आओर आओर बॉस के प्रति प्रेम नीक अछि मुदा भारत रत्न केर मांग अखन एकदम सं सही नहि कहल जा सकैत अछि.

लेसी सिंह जीक मानल जाए तं एनडीए के शासन काल मे बिहार मे जमि क विकास भेल अछि. बिहार काफी आगां गेल अछि. कानून व्यवस्थाक राज कायम भ गेल अछि. ई सभ नीतीश जीक कारणे भेल अछि. एहि लेल हुनका भारत रत्न मिलबाक चाही.

ई ठीक अछि जे बिहारक हालात पहिने सं काफी नीक भेल अछि. मुदा अखनो काफी किछ करय के जरूरत अछि. पूरा राज्य तं छोडु राजधानी पटना मे लोक अखनो पूरा तरहे सुरक्षित नहि अछि.

बेसि दिन नहि परसुं पटना का एसपी खुद एकटा महिला के सरेआम पिटलीह. लोक के विरोध के एसपी महोदया सहन नहि करि पएलीह. महिला के पिटय लागलीह.

लोक एहिठाम दूटा लड़का के करंट लागय से मौत के विरोध मे प्रदर्शन करय छलखिन्ह. प्रदर्शन से खिसियाएल एसपी साहिबा महिला सभ के जमि कs पिटलीह. ई हाल पटना के अछि.

स्कूल के पोशाक स्कीम... साइकिल स्कीम मे करोड़ों के घोटाला भ रहल अछि. अफसर... कर्मचारी सभ फेर सं पहिनुका हाल मे चलि अएलाह. लोक के काज बिना पाई देने नहि भ रहल अछि. फेर सं रिश्वतक राज कायम होए लागल अछि.

बिजली के हाल सेहो तेहने अछि. कतेक दिन तक केंद्र के कोसैत रहबै. किछ अपनो तं उपाय करु. मंत्री सभ सं काज कराउ. 

एहन लीडर से कोन फायदा जिनकर टीम (मंत्री) नीक सं काज कहि करय छथिन्ह. लीडर के अपन टीम के संग लsक चलबाक चाही. टीम के सेहो लीडर के संग हाथ बटैबाक चाही. मुदा तालमेल मे साफ कमी अछि.

अखन रेल बजट आबय वाला अछि. एमपी...एमएलए सभ रेल मंत्री जी सं मिललखिन्ह की? जखन धरि अहां अपन इलाका लेल रेल के मांग नहि करिबै...नव-नव रेल के मांग नहि करिबै...सुविधा के मांग नहि करिबै... रेल मंत्री ओकरा पर विचार केना करताह. हुनका सपना तं नहि अएतन्हि.

अहां के अपन कष्ट... परेशानी लsक हुनका पास जाए पड़त. नहि तं बाद मे कहबै बिहार के किछ नहि मिलल.

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...