माछक निर्यात करत बिहार

बिहार जल्दीए माछक निर्यात करय वाला राज्य बनि जाएत. ई कहनाय छनि बिहार के पशु आओर मत्स्य संसाधन मंत्री गिरिराज सिंह जीक.

गिरिराज सिंह जी राज्यक उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी जीक संग दरभंगा निषात महापंचायत मे आएल छलाह.

मोदी जी एहि ठाम कहलन्हि जे अगिला पांच साल
मे बिहार मे माछक उत्पादन तीन गुणा बढ़ि जाएत. एहि महापंचायत मे माछक उत्पादन बढ़ाबय लेल सरकार के तरफ सं कई तरहक प्रोत्साहन के चर्चा सेहो कएल गेल.

मंत्री जी इहो कहलन्हि जे सरकार लोकक कल्याण के लेल कइटा स्कीम चला रहल अछि. लोक सभ के आगां आबि क एकर फायदा उठएबाक चाही आओर राज्य के विकास मे भागीदार बनबाक चाही.

एहि अवसर पर मल्लाह सभ के लेल इंश्योरेंस सुविधा के बात सेहो करल गेल.

माछक उत्पादन बढ़ाबय लेल कहल गेल जे...जे समिति प्रप्ति हेक्टेयर ढ़ाई टन माछक उत्पादन करत ओकर राजस्व माफ करि देल जाएत.

Comments

  1. हितेंद्र जी नमस्कार, हमरा लगी रहल अछि जे ई सरकार काज कम और घोषणा ज्यादा करवा में विश्वाश करैत छैथ | मिथिला में माछक दाम हमरा हिसाब से देश में सबसे बेसी अछि | एक तरफ लोक के खेवाक लेल मांछ भेटैत नहीं अछि और दोसर दिस निर्यात करवाक बात चली रहल अछि ??

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

कि कि नहि कराएत ई बाढ़ि... ki ki nai karaait ee baarhi

ऑर्कुट-मैं हूं ना

मिथिला बिन बिहार आ बिहार बिन देशक विकास संभव नहि- नीतीश

मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल के भेल रंगारंग शुरुआत

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश