बिहार मे लोकायुक्त बिल केर रास्ता साफ

बिहार मे विधानसभा केर आबय वाला शीतकालीन सत्र मे लोकायुक्त बिल पेश करि देल जाएत.

एहि बिल के मसौदा के जनता सं राय लेबय लेल जारी करि देल गेल अछि.

एकरा सरकारी वेबसाइट पर डाएल देल गेल अछि. लोक सभ एहि पर 22 नवंबर तक अपन
राय-विचार द सकय छथिन्ह.

मंगल दिन मंत्रिमंडल केर बैसार मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी लोकायुक्त बिल पर चर्चा कएलखिन्ह.

एहि लोकायुक्त बिल के जद मे मुख्यमंत्री...मंत्री...एमएलए...सरकारी कर्मचारी आओर सरकारी निगम सभ आएत.

भ्रष्टाचार दूर करय के दिशा मे सरकार के ई नीक कदम अछि.

एहि लोकपाल के लेल केंद्र में तकरार भ रहल अछि. अन्ना हजारे के ओतेक दिन अनशन सेहो करय पड़लन्हि.

आ बिहार मे ओ बिना कोनो अनशन के भ रहल अछि एकरा लेल मुख्यमंत्री के साधुवाद.

एहि लोकायुक्त बिल के अखन लोक सभ सं सुझाव...राय..विचार के लेल राखल गेल अछि.

जखन लोक सभ के विचार सरकार के मिल जाएत तखन सभ पार्टी के नेता सभ सं विचार-निमर्श कएला के बाद उपमुख्यमंत्री केर अध्यक्षता मे एकटा समिति एकर मसौदा के अंतिम रूप देत.

जकरा 2 दिसंबर सं होए वाला शीतकालीन सत्र मे पेश कएल जाएत.

बिहार मे एकटा चीज आओर कएल गेल अछि. बिहार मे लोकायुक्त सिर्फ एकटा नहि होताह.

चुनाव आयुक्त जकां एहि मे तीन लोक होताह. एकटा लोकायुक्त आओर दू टा दोसर सदस्य.

बिहार मे लोकायुक्त के जांच करय आओर मामला चलाबय के अधिकार सेहो होएत. एकरे संग विशेष लोकायुक्त अदालत सेहो बनाएल जाएत.

लोकायुक्त केर तीनहुं सदस्य केर चुनाव मुख्यमंत्री...विपक्ष केर नेता... मुख्यमंत्री के तरफ सं नामित एकटा व्यक्ति... निवर्तमान लोकायुक्त... हाई कोर्ट के दूटा वर्तमान जज आओर एकटा गणमान्य व्यक्ति मिलजुलि क करथिन्ह

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

कि कि नहि कराएत ई बाढ़ि... ki ki nai karaait ee baarhi

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

ऑर्कुट-मैं हूं ना

मिथिला बिन बिहार आ बिहार बिन देशक विकास संभव नहि- नीतीश