Skip to main content

विकास चाही तं नेता के अपना गाम लाउ


बीजेपी नेता लालकृष्ण आडवाणी 11 अक्टूबर के छपरा जिला के सिताबदियारा सं अपन जनचेतना यात्रा शुरू करि रहल छथिन्ह.

लोकनायक जयप्रकाश नारायण...जेपी जीक गाम सं यात्रा शुरू करय सं पहिने ओ एहिठाम एकटा सभा के सेहो संबोधित करथिन्ह.

हुनकर जन चेतना यात्रा के मकसद जे होए. एहिठामक लोक के ओहि सं लेना-देना नहि छनि. लोक बस एहि बात सं खुश छथिन्ह जे आडवाणी जीके एहिठाम अएबाक कारणे इलाका के विकास भ रहल अछि.

आडवाणी जीक यात्रा के कारण बीजेपी के राज्य के तं छोडुं कइटा केंद्रीय नेता सभ तैयारी पर नजर राखने छथिन्ह. जिला सं लsक राजधानी तक सं
आला अफसर के अमला दिन-राति काज मे लागल अछि.

रोज कोनो नहि कोनो अधिकारी...नेता गाम आबि रहल अछि. सभक चिंता इहे छनि जे कोनो कमी नहि रहि जाए.
एहिठाम आजादी के बाद पिछला 50-60 साल मे जतेक काज नहि भेल ओ पिछला किछ दिन मे भेल अछि.

रोड चकाचक भ गेल अछि. जेहि रोड पर घोड़ा- गाड़ी हिचकोला लsक चलैत छल ओ आई सरपट भागि रहल अछि.

जेहि गाम मे लाइन...बिजली बाती के दरश नहि छल...ओहि गाम मे नवका-नवका ट्रांसफर्मर लागि गेल अछि.

खटाखट पोल गाड़ि देल गेल...तार लगा देल गेल...बिजली चालू कर देल गेल. सभ किछ तुंरत-फुंरत मे कएल जा रहल अछि आ फेर पूरा करि देल गेल अछि.

एतबा दिन मे सभ किछ चमका देल गेल अछि. रास्ता के संग-संग इलाका के सेहो चमकाबय के कोशिश कएल गेल अछि.

विकास के बयार बहि गेल अछि. इंफ्रास्ट्रक्चर पर भारी पाई खर्च गेल अछि. लोक सभ पिछला दस-बारह दिन में भेल विकास सं काफी खुश छथिन्ह.

आब सोचिऔ सिर्फ आडवाणी जीक एक दिन के कार्यक्रम के लेल एतेक विकास भ रहल अछि तं अहां सभ अगर अपना गाम...इलाका मे अक्सर कोनो नहि कोनो पैघ नेता के बुलाएब तं कतेक विकास होएत.

अहां सभ के सेहो अपन-अपन इलाका मे राज्य के मंत्री के संग...केंद्रीय मंत्री सभ के बुलाबय के कोशिश होएबाक चाही.

एमएलए...एमपी साहेब के तं अक्सर कोनो नहि कोनो कार्यक्रम होएत रहबाक चाही. एहि सं अहां सभ के सेहो अपन समस्या कहय के मौका मिलत.

मुख्यमंत्री अएताह...मंत्री अएताह....एमपी अएताह...एमएलए अएताह तं ओ अहांक समस्या...परेशानी सं अवगत होएताह...अहांक लेल दू चारि टा घोषणा करताह.

अएताह तं किछ न किछ दsए के जएताह. आखिर वोट के सवाल छै. ओ अहांक समस्या दूर करय के कोशिश जरूर करताह.

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...