नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

विकास चाही तं नेता के अपना गाम लाउ


बीजेपी नेता लालकृष्ण आडवाणी 11 अक्टूबर के छपरा जिला के सिताबदियारा सं अपन जनचेतना यात्रा शुरू करि रहल छथिन्ह.

लोकनायक जयप्रकाश नारायण...जेपी जीक गाम सं यात्रा शुरू करय सं पहिने ओ एहिठाम एकटा सभा के सेहो संबोधित करथिन्ह.

हुनकर जन चेतना यात्रा के मकसद जे होए. एहिठामक लोक के ओहि सं लेना-देना नहि छनि. लोक बस एहि बात सं खुश छथिन्ह जे आडवाणी जीके एहिठाम अएबाक कारणे इलाका के विकास भ रहल अछि.

आडवाणी जीक यात्रा के कारण बीजेपी के राज्य के तं छोडुं कइटा केंद्रीय नेता सभ तैयारी पर नजर राखने छथिन्ह. जिला सं लsक राजधानी तक सं
आला अफसर के अमला दिन-राति काज मे लागल अछि.

रोज कोनो नहि कोनो अधिकारी...नेता गाम आबि रहल अछि. सभक चिंता इहे छनि जे कोनो कमी नहि रहि जाए.
एहिठाम आजादी के बाद पिछला 50-60 साल मे जतेक काज नहि भेल ओ पिछला किछ दिन मे भेल अछि.

रोड चकाचक भ गेल अछि. जेहि रोड पर घोड़ा- गाड़ी हिचकोला लsक चलैत छल ओ आई सरपट भागि रहल अछि.

जेहि गाम मे लाइन...बिजली बाती के दरश नहि छल...ओहि गाम मे नवका-नवका ट्रांसफर्मर लागि गेल अछि.

खटाखट पोल गाड़ि देल गेल...तार लगा देल गेल...बिजली चालू कर देल गेल. सभ किछ तुंरत-फुंरत मे कएल जा रहल अछि आ फेर पूरा करि देल गेल अछि.

एतबा दिन मे सभ किछ चमका देल गेल अछि. रास्ता के संग-संग इलाका के सेहो चमकाबय के कोशिश कएल गेल अछि.

विकास के बयार बहि गेल अछि. इंफ्रास्ट्रक्चर पर भारी पाई खर्च गेल अछि. लोक सभ पिछला दस-बारह दिन में भेल विकास सं काफी खुश छथिन्ह.

आब सोचिऔ सिर्फ आडवाणी जीक एक दिन के कार्यक्रम के लेल एतेक विकास भ रहल अछि तं अहां सभ अगर अपना गाम...इलाका मे अक्सर कोनो नहि कोनो पैघ नेता के बुलाएब तं कतेक विकास होएत.

अहां सभ के सेहो अपन-अपन इलाका मे राज्य के मंत्री के संग...केंद्रीय मंत्री सभ के बुलाबय के कोशिश होएबाक चाही.

एमएलए...एमपी साहेब के तं अक्सर कोनो नहि कोनो कार्यक्रम होएत रहबाक चाही. एहि सं अहां सभ के सेहो अपन समस्या कहय के मौका मिलत.

मुख्यमंत्री अएताह...मंत्री अएताह....एमपी अएताह...एमएलए अएताह तं ओ अहांक समस्या...परेशानी सं अवगत होएताह...अहांक लेल दू चारि टा घोषणा करताह.

अएताह तं किछ न किछ दsए के जएताह. आखिर वोट के सवाल छै. ओ अहांक समस्या दूर करय के कोशिश जरूर करताह.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु