इतिहासकार रामशरण शर्मा जीक निधन


मशहूर विद्वान... इतिहासकार रामशरण शर्मा जी आब हमरा बीच नहि रहलाह. शर्माजी पिछला किछ दिन सं बीमार चलि रहल छलखिन्ह.


92 साल केर रामशरण जीक निधन पटना केर एकटा अस्पताल मे भेलन्हि. पांच दिन पहिने तबियत काफी बिगड़ि जाए के बाद हुनका अस्पताल मे
भर्ती कराएल गेल छलन्हि.

शनिदिन राति के साढ़े दस बजे ओ आखिरी सांस लेलखिन्ह.

हिनकर जन्म 1 सितंबर 1920 मे अपन मिथिलाक बेगूसराय जिलाक बरौनी मे भेल छलन्हि.
रामशरण जी दिल्ली विश्वविद्यालय मे इतिहास के प्रोफेसर छलखिन्ह.

ओ भारतीय ऐतिहासिक अनुसंधान परिषद (आईसीएचआर) के संस्थापक रहि चुकल छथिन्ह.
रामशरण शर्मा जीक गिनती दुनिया के ओहन इतिहासकार के रूप में होए छनि जे प्राचीन भारत के बारे मे पुरनका धारणा और दुनिया केर नजरिया के पूरा बदलि देलखिन्ह.

भारत के टॉप इतिहासकार मे शुमार रामशरण जी 15 भाषा मे 115 किताब लिख चुकल छथिन्ह

हेलो मिथिलाक तरफ सं हिनका श्रद्धांजलि. ईश्वर हिनकर आत्मा के शांति प्रदान करथुन्ह.

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दरभंगा महाराज केर मूर्ति सं छेड़छाड़

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा