नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

इतिहासकार रामशरण शर्मा जीक निधन


मशहूर विद्वान... इतिहासकार रामशरण शर्मा जी आब हमरा बीच नहि रहलाह. शर्माजी पिछला किछ दिन सं बीमार चलि रहल छलखिन्ह.


92 साल केर रामशरण जीक निधन पटना केर एकटा अस्पताल मे भेलन्हि. पांच दिन पहिने तबियत काफी बिगड़ि जाए के बाद हुनका अस्पताल मे
भर्ती कराएल गेल छलन्हि.

शनिदिन राति के साढ़े दस बजे ओ आखिरी सांस लेलखिन्ह.

हिनकर जन्म 1 सितंबर 1920 मे अपन मिथिलाक बेगूसराय जिलाक बरौनी मे भेल छलन्हि.
रामशरण जी दिल्ली विश्वविद्यालय मे इतिहास के प्रोफेसर छलखिन्ह.

ओ भारतीय ऐतिहासिक अनुसंधान परिषद (आईसीएचआर) के संस्थापक रहि चुकल छथिन्ह.
रामशरण शर्मा जीक गिनती दुनिया के ओहन इतिहासकार के रूप में होए छनि जे प्राचीन भारत के बारे मे पुरनका धारणा और दुनिया केर नजरिया के पूरा बदलि देलखिन्ह.

भारत के टॉप इतिहासकार मे शुमार रामशरण जी 15 भाषा मे 115 किताब लिख चुकल छथिन्ह

हेलो मिथिलाक तरफ सं हिनका श्रद्धांजलि. ईश्वर हिनकर आत्मा के शांति प्रदान करथुन्ह.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु