नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार मे आब भूख सं नहि मरत कोई...

देश के अपन तरहक एकटा पहिल योजना बिहार मे लागू होए जा रहल अछि. अगर ई योजना सफल रहल तं देश-विदेश मे दोसर सरकार सेहो एकरा अपना सकैत अछि. एहि योजना सं बिहार एक बेर फेर अगुआ बनि कs उभरत.

योजना अछि राज्य के कोनो आदमी के भूख सं नहि मरय देबय के. ओहन सभ गरीब लोक जिनका पास खाय-पीबय लेल किछ नहि छनि. सरकार हुनका अपना दिस सं खाय-पीबय लेल
मुफ्त मे अनाज देत.

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक ई मह्त्वाकांक्षी योजना अछि. एहि योजना मे आब गरीब लोक के पेट भरय के जिम्मेदारी सरकार के होएत. ई योजना 'मुख्यमंत्री अन्नकलश योजना 2011 ' के नाम सं शुरू भ सकैत अछि.

अगर सभ किछ नीक रहल...काज पूरा भ गेल त मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि बातक घोषणा बिहार दिवस के मौका पर करि सकय छथिन्ह. बिहार के सभ लोक के एहि योजना के समर्थन करबाक चाही. सहयोग देबाक चाही.

एहि योजना मे जे कोनो आदमी आ परिवार के पास खाय-पीबय लेल किछ नहि होएतन्हि... पंचायत... जिला प्रशासन के तरफ सं तुरंत हुनका अनाज देल जएतन्हि. राज्य मे अखन एहन लाखों लोक छथिन्ह जिनका दू टाइम के खाना नसीब नहि छनि.

अखन के मुताबिक अगर योजना लागू भेल त गरीब... बेसहारा... बेआसरा लोक के मुखिया के तरफ सं हफ्ता मे 10 किलो अनाज मिलतन्हि. अगर तखनो हुनकर आओर परिवार के पेट नहि भरय छनि त बीडीओ साहेब 40 किलो महीना के हिसाब सं अनाज देथिन्ह.

अगर तखनो भरण-पोषण नहि होए छनि त डीएम साहेब कोनो दोसर उपाय करथिन्ह जेहि सं हुनकर भूख मिट सकय. एतेक भेलाह के बादहुं कोनो आदमी के भूख सं मौत होएत अछि त एकरा लेल मुखिया... बीडीओ आओर डीएम जिम्मेदार होताह.

भ सकैत अछि जे एहि योजना के किछ लोक अनुचित लाभ...फायदा सेहो उठएताह. मुदा एहन लोक के अन्न के चोरी तं कोनो मानसिक रूप सं दरिद्रे करि सकैत अछि. आओर ओहि दरिद्र के कहिओ पेट नहि भरि सकैत अछि.

लागू भेलाह पर अहां सभ सेहो एहि योजना मे सहयोग करिऔ. दान-धर्म करु. दान-धर्म नहि करि सकय छी त एहि
योजना के अमल होए पर नजर राखु जेहि सं एकर कोनो दुरुपयोग नहि भ पाबय.

ई योजना अहांक...हमर बिहार के तस्वीर बदलि क राखि देत. बस एकरा ईमानदारी सं लागू करय के जरूरत अछि. अहां सभ के मुखिया...बीडीयो आओर डीएम पर नजर राखय के जरूरत अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

1 टिप्पणी:

  1. SAHI YOZNA .....
    UMMED KARAIT CHI JE SAHI ROOP AAR EMANDARI SAI KAM HOIT TAI E SAFAL HOIT ....ANAYTHA GAREEB ONAHITE MARAIT RAHIT...
    bHAGWAN SAFAL BANABTHUN...KIYEK MANUSHYA AEHI YOZNA KE SAFAL NAI HEBAI DET...SAMBHARI WALA HATH HI KHENHAR BHAI JAIT AICHI..
    kuMAR kALI Bhushan
    Mumbai-Keoti

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु